• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home चित्रालय

गोल मार्केट क वास्‍तविक स्‍वरूप आनब : कीर्ति

January 30, 2012
in चित्रालय
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013

दरभंगा। बिहार क कनाट प्‍लेस ओवल मार्केट क नाम स प्रसिद्ध दरभंगा क गोल मार्केट कए ओकर वास्‍तविक स्‍वरूप प्रदान कैल जाएत। दरभंगा क सांसद कीर्ति झा आजाद कहला अछि जे ओ एहि संबंध मे प्रयास शुरू क देलथि अछि। श्री आजाद कहला जे हुनका एकर वास्‍तविक स्‍वरूपक संबंध में जानकारी नहि छल। हुनका हाल मे एहि संबंध मे बताउल गेल अछि जे कनाट प्‍लेस क तर्ज पर दरभंगा मे सेहो एकटा बाजार बनाउल गेल छल। आजाद कहला जे ओ एहि संदर्भ मे बिहार सरकार स गप करताह आ एकर अन्वेषण करौताह। ज्ञात हुए जे इ’समाद एहि मसला कए करीब दू साल स आम लोक तक पहुंचा रहल अछि। दरभंगाक गोल मार्केट क निर्माण 1934 मे आयल भूकंपक बाद बनल दरभंगा विकास प्राधिकरण करेने अछि। दरभंगा विकास प्राधिकरण प्राइज़ स्‍थापना तत्‍कालीन दरभंगा महाराज डा सर कामेश्‍वर सिंह केने छलाह। ओ दरभंगा विकास प्राधिकरण कए दरभंगा शहर बसेबाक लेल नौ करोड टका देने छलाह। एकर बाद दरभंगा विकास प्राधिकरण अंगरेज वास्‍तुविद स दरभंगाक मास्‍टर प्‍लान तैयार करेलक। दरभंगा ओहि गिनल चुनल शहर मे स एकटा अछि जेकर आजादी स पूर्व नक्‍शा बनेबा लेल हवाई सर्वेक्षण भेल अछि। गोल मार्केट क निर्माण भेलाक बाद योजना छल जे गुदरी क दुकान एहि मे स्‍थानांतरित कैल जाएत आ गुदरी क जगह पर एकटा व्‍यवस्थित बहुउददेश्‍यीय परिसर बनाउल जाएत। मुदा गुदरी क सबस पैघ व्‍यापारी शिवनंदन प्रसाद अग्रवाल गुदरी छोडबा लेल तैयार नहि भेलथि आ एहि बीच किछु लोक ओहि मे कालेज खोलि देलथि। कुल मिला कए आउटर सर्किल में त दुकान खुलल, मुदा इनर सर्किल मे कालेज खोलि देल गेल। एहि प्रकार स गोल मार्केट स्‍वरूप कए खत्‍म क देल गेल। पिछला दू साल पहिने इ’समाद एहि मसला कए उठेलक आ एहि पर चर्च शुरू भेल। दरभंगाक एकटा नीक आ व्‍यवस्थित बाजार कए खत्‍म करबाक विरोध धीरे धीरे तेज होइत गेल आ जनता क रुख कए देखैत सांसद सेहो एकरा लेल प्रयास करबाक आश्‍वासन देलथि अछि। सांसद आजाद कहला अछि जे ओ सरकार स एहि बाजार कए ओकर वास्‍तविक स्‍वरूप मे अनबा क संभावना पर गप करताह। ज्ञात हुए जे कालेज खोजबा लेल इ बाजार नगर निगम लीज पर देने अछि। श्री आजाद कहला जे भविष्य मे इ एकटा सुंदर बाजार आ पर्यटक कए आकर्षित करबा मे सक्षम स्थान बनत। एखन एहि बाजार मे भीतर स कालेज अछि त बाहर किछु दुकान आ मकान एकर स्‍वरूप कए झांपी देने अछि। ओ कहला जे आब एहि जगह कए सुंदर आ पहिने सन बनेबाक हर संभव प्रयास कैल जाएत। ओ कहला जे एहि लेल जरुरत पडल त केंन्द्रीय सरकार स सेहो मदद क गुहार कैल जाएत।

Tags: darbhangakriti azadmithila
ShareTweetPin

Related Posts

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013

वाह रे तोहर भाग्य, वाह रे हम्मर भाग्य

August 14, 2013

किछु एहन होएत नालंदा विश्वविद्यालय

May 18, 2013
Next Post
Esamaad Epaper Website

उत्कृष्ट क्रियान्वयन लेल नालंदा जिला पुरस्‍कृत

Esamaad Epaper Website

बिहारक क कनून चलाउत सीबीआई

Esamaad Epaper Website

पूर्व डीजीपीक संपत्ति जब्‍त

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि