• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

गौस पर धौंस जमेबा लेल राबडी पहुंचलथि परिषद

April 9, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना । पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी विधान परिषद क सदस्य बनबा लेल तैयार छथि। 11 अप्रैल कए ओ अपन परचा दाखिल करतथि। राबडी क उम्‍मीदवारी क संगहि इ चर्चा जोर स भ रहल अछि जे पूर्व मुख्‍यमंत्री विधान परिषद मे किया जा रहल छथि। विभिन्‍न राजनीतिक जानकार एकटा महज एकटा सदस्‍यक उम्‍मीदबारी मानबा लेल तैयार नहि छथि। अधिकतर जानकारक कहब अछि जे ओ विधान परिषद मे विपक्ष क नेता बनबाक जुगार लगा लेलथि अछि। एखन राजद क प्रो. गुलाम गौस विधान परिषद मे विपक्ष क नेता छथि, मुदा राबडी गौस पर धौंस जमेबा लेल जमीन तैयार क रहल छथि। राबड़ी देवी क परिषद सदस्य बनलाक बाद गौस लेल इ पद पर बनल रहब कठिन अछि। बिहार विधानसभा मे अब्दुलबारी सिद्दिकी विपक्ष क नेता एहि कारण भ गेलाह जे राबडी आ पारस दूनू नेता कए जनता सदन नहि पठेलक। श्री सिद्दीकी कए विपक्ष क नेता बनेबा काल राजद दिस स कोनो खास पहल सेहो नहि कैल गेल। हां, राजद क एकटा खेमा त विरोध तक क देलक आ माय समीकरण क आधार पर सुरेंद्र प्रसाद यादव क नाम प्रस्‍तावित क देलक। मुदा राजद मजबूर छल बिना भाजपा-जदयू क सहमति कए ओ ककरो विधानसभा मे विपक्षक नेता नहि बना सकैत छल। किया कि सदस्य संख्या क हिसाब स विधानसभा मे कोनो दल मुख्य विपक्षी दल क दर्जा लेबा लेल हैसियत नहि रखैत छल। 243 सदस्यीय विधानसभा मे राजद क केवल 22टा सदस्य अछि। इ 10 म हिस्सा स तीन कम अछि। एहन मे मुख्य विपक्षी दल लेल सदन क कुल सदस्‍य क 10म हिस्सा ककरो लग नहि छल। राजद कए बुझल छल जे जनता त हैसियत ल चुकल अछि ताहि लेल सरकार क रहमोकरम पर मुख्य विपक्षी दल क दर्जा भेट सकैत अछि। एहन मे श्री सिद्दिकी क व्यक्तित्व जनता मे स्‍वीकार्य छल आ सरकार सेहो हुनका कानून कए शिथिल क विपक्ष क नेता क दर्जा द देलक। इ सरकारी पहल क असर छल जे लोकलेखा समिति क सभापतित्व राजद क ललित कुमार यादव कए भेटल, जखन कि राजद सुप्रीमो एहि पद लेल राघवेंद्र प्रताप सिंह कए चुनाव केने छलाह।
देखल जाए त राजद लग संख्‍या बल एखनो नहि अछि, मुदा जनता स आंखि बचा ओ एक बेर फेर परिवारवाद कए आगू बढेबाक कोशिश शुरू कैल जा रहल अछि। जाहि परिवारवाद कए बिहारक जनता खारिज क चुकल अछि आ सरकार कए मजबूर क अब्दुलबारी सिद्दिकी आ गुलाम गौस सन नेता कए विपक्षक नेता स्‍वीकार करबेने अछि, राजद एक बेर फेर जनताक मर्जीक खिलाफ नेता थोपबाक प्रयास मे अछि। राबड़ी देवी कए विधान परिषद मे पठेबाक राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद क मंशा साफ अछि ओ हुनका विपक्ष क नेता बनेबाक फिराक मे छथि। एकरा लेल ओ एक बेर फेर माय समीकरण क राग अलापि सकैत छथि। ज्ञात हुए जे विपक्ष क नेता कए कैबिनेट मंत्री क दर्जा आ सुविधा भेटैत अछि आ लालू-राबडी अपना रहैत बिहार मे अपन दलक कोनो आन नेता कए इ सुविधा लैत कोना देखि सकैत छथि।

Tags: Biharpatnarabri
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

दरभंगा मे भ सकत हड्डी प्रत्यारोपण

Esamaad Epaper Website

बंगाली स सीखू मातृभाषा प्रेम : सरावगी

केंद्र क रहल नदी जोड़ो परियोजना कए धकियेबाक साजिश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि