• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

चिलमन क ओट स निकलल हुनर

September 25, 2009
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

chilmanbhg
भागलपुर । मुस्लिम महिला क गप अबैते हरदम दिमाग मे बस बुर्कानशीं आ चिलमन क ओट स गप करैवाली खातून क छवि उभरैत अछि। मुदा कि अहां कए इ पता अछि जे शहर क किछु बुर्कानशीन आब मुंबई, पटना समेत भागलपुर क कपड़ा बाजार मे अपन हुनर स नहि केवल धूम मचा रहल छथि, बल्कि हिनकरतमन्ना जल्द स जल्द देश क प्रमुख मे छा जेबाक सेहने अछि।
एकरा लेल हिनका लोकनि कए चिलमन आ बुर्का स बाहर आबि कए मार्केटिंग करबा आ नव बाजार तकबा स सेहो कोनो संकोच नहि भ रहल अछि। शहर क खातून कए हुनरमंद कारोबारी आ स्मार्ट सेल्स वुमेन बनेबा क बीड़ा उठौलथि अछि हबीबपुर क शबाना दाऊद।
समाजशास्त्र विषय मे आनर्स स स्नातक शबाना तकरी एक साल पूर्व फतेह सिलाई सेंटर क शुरुआत करि इ बीड़ा उठौलथि छल। एखन धरि ओ डेढ़ सौ मुस्लिम महिला कए सिलाई, कढ़ाई आ बुनाई क प्रशिक्षण द चुकलथि अछि। ओ कहलथि जे खातून कए प्रशिक्षित करबाक विचार हुनका अपन घर क आसपास बीड़ी बनबैयवाली महिला कए देखिकए आयल।
गौरतलब अछि जे बीड़ी क निर्माण स जुड़ल करीब 60 फीसदी महिला टीबी आओर श्वास रोग स ग्रसित छथि। एकर अलावा बीड़ी एहि महिला लोकनि क गरीबी दूर करबा मे नाकाफी छल।
शबाना क कहब अछि जे शुरू मे केवल चारि हजार टका स शुरू भेल हुनकर प्रशिक्षण केंद्र आइ एहि ठाम स जुड़ल प्रत्येक महिला कए कम से कम ढाई हजार टका मासिक आय उपलब्ध करा रहल अछि। ओ कहलथि जे आइ स किछु माह पूर्व हुनकर केंद्र में दरजी क काज करि रहल रौशन आरा नाम क एकटन गरीब युवती कए ओकर हुनर क बल पर मुंबई क एकटा व्यवसायी परिवार ब्याह करि लेलक अछि।
रौशन क कार्यकुशलता मुंबई क बाजार मे सेहो अपन रंग जमा लेलक अछि। आइ रौशन क बल पर ओकर पारिवारिक कारोबार दिनों दिन तरक्की करि रहल अछि। एकटा अन्य महिला शारमीन सेहो एहि ठाम स काज सीख कए हाल मे पटना मे अपन एकटा छोटसन बुटीक खोललथि अछि। एकर माध्यम स ओ अपन दूटा बच्चा क जीवन संवारबा मे आ गृहस्थी क बिगड़ल गाड़ी कए पटरी पर अनबा क कोशिश करि रहल छथि।
ओतहि शाहजंगी क तमन्ना नामक युवती सेहो बीड़ी बनेबाक धंधा स निकलि कए अपन क्षेत्र मे सिलाई क दुकान खोलि चुकलि अछि। शबाना क कहब अछि जे मौजूदा समय मे हुनका लग कुल 35टा मौगी आ युवती प्रशिक्षणरत छथि। एहि मे स 17टा जतय हुनकर केंद्र पर उत्पादन स जुड़ल छथि ओतहि सात टा लड़की रमजान माह क शुरुआत स मुस्लिम क्षेत्र मे अपन परिधान क मार्केटिंग करबा मे लागल छथि। इ युवती लेजर, जार्जेट, शिफान आ काटन क वस्त्र स साड़ी, लहंगा, सलवार सूट आ लांचा तैयार करबा मे माहिर भ चुकल छथि। हिनकर हाथ स केंद्र मे प्रतिदिन 15 परिधान तैयार भ रहल अछि। एहि परिधान कए दाम बाजार स आधा अछि। शबाना कहैत छथि जे ईद क बाद आब हुनकर सेल्स वुमेन शहर भरि मे घूिम-घूमिकए अपन परिधान बेच रहल छथि। एकर अलावा ओ निकट भविष्य कंप्यूटर क माध्यम स परिधान क डिजाइनिंग, मार्केटिंग आदि क प्रशिक्षण सेहो दबा लेल प्रयास करि रहल छथि। समय एला पर हिनका लोकनि कए कोलकाता, उत्तर प्रदेश आ दिल्ली क बाजार मे मार्केटिंग क लेल पठाउल जाइत।

Tags: bhagalpurBiharesamaadmithilapatnaभागलपुरमहिलामुस्लिम

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

गया मे ओटीए पर खर्च होइत 450 करोड़

Esamaad Epaper Website

महादलित क लेल शीघ्र खुलत प्रशिक्षण संस्थान

आसमान मे बिहार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि