• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

चीन क विकास लेल संकल्प सीखबा योग्‍य : नीतीश

June 20, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे चीन क प्रगति आओर विकास कए पाछु जे संकल्प अछि ओ सीखबा योग्‍य अछि। सात दिन क चीन यात्रा स पटना लौटला पर नीतीश कहला जे हुनकर इ यात्रा सार्थक आओर उपयोगी रहल। ओ कहला जे यात्रा क दौरान चीन क प्रगति कए आओर विभिन्न क्षेत्र मे चीन मे जे काज भ रहल अछि ओकरा देखबाक, बुझबाक अवसर भेटल।
नीतीश कहला जे जाहि ढंग स चीन प्रगति केलक अछि, ओ प्रशंसा क लायक अछि। हर क्षेत्र मे चाहे ओ बुनियादी ढांचा क सवाल हुए या सडक, पुल या रेलवे क निर्माण, उद्योग, बिजली क क्षेत्र हुए या उत्पादन क मामला, सबटा क्षेत्र मे ओकर प्रगति देखबा योग्‍य अछि।
ओ कहला जे अपन यात्रा क दौरान ओ चीन क गाम सेहो गेलाह जाहि ठाम ओ विशेष रूप स कृषि प्रणाली कए देखलाह। नीतीश कहला जे जाहि प्रकार स ओहि ठामक सरकार कृषि क इंतजाम करि रहल अछि ओहि स लगैत अछि जे शायद ओहन अपन देश मे करब संभव नहि भ सकत मुदा जहां धरि हुनकर काज अछि त ओ देखबा योग्‍य अछि।
ओ कहला जे एकटा इलाका नहि लगभग सब इलाका मे मील क मील जाहि प्रकार क नव तकनीक क सहारा ल कए ओ तरकारी उपजा रहल छथि जे पूरा इलाका ग्रीन हाउस बनि गेल अछि।
नीतीश कहला जे चीनक शानडांग प्रांत क लोक केवल अपन नहि , उक्त प्रांत आओर देश लेल नहि बल्कि ओ दोसर देश जापान आओर दक्षिण कोरिया लेल सेहो 22टा तरकारीक उत्पादन करि रहल छथि।
नीतीश कुमार कहला जे ओहि ठामक लोक कंपनी बना कए खेती करैत छथि। बिहार क गप छोडू भारत मे एखन त किसान अपन जमीन क मालिक स्वयं होइत छथि, एहन मे हम हुनकर मॉडल कए शायद अपना नहि सकैत छी, मुदा ओहि ठाम प्रगति साफ देखा रहल छल।
ओ कहला जे एहि यात्रा क दौरान जे सबस नीक प्रशासनिक गन देखबा आ बुझबा लेल भेटल ओ इ जे चीन मे जे निर्णय लेल जाइत अछि ओहि पर हर हाल मे अमल जरूर कैल जाइत अछि।
नीतीश कहला जे चीन यात्रा क दौरान हुनकर ओहि ठाम क बहुत नेता सब स सेहो भेंट भेल। नीतीश कहला जे ओहि ठाम बौद्ध धर्म मे विश्वास करनिहार बहुत लोक छथि, मुदा ओहि ठाम बिहार क बारे मे लोक लग कम जानकारी अछि। ओहि ठाम लोक मानब अछि जे बौद्ध धर्म जीवन क एकटा दर्शन अछि। ओ कहला जे यात्रा क दौरान बिहार क बोधगया आओर नालंदा विश्वविद्यालय क चर्चा भेल आ ओहि मे लोक दिलचस्पी लेलक, एहि मे सब कए असीम संभावना देखाइत अछि। नीतीश कहला जे बेसी स बेसी लोक कए चीन जा ओहि ठामक विकास कए देखबाक चाहीआ ओ चाहता जे खास कए बिहारक किसान आ विधायक कए चीन जेबाक व्‍यवस्‍था करथि जाहि स ओ स्वयं देखैत जे चीन मे कोना विकास भ रहल अछि।
नीतीश कहला जे बिहार मे कंपनी बना कए खेती नहि भ सकैत अछि मुदा किसान दुग्ध उत्पादन क क्षेत्र क तर्ज पर कॉपरेटिव बनाकए अपन उत्पाद कए बाजार तक पहुंचा कए बेहतर मूल्य पाबि सकैत छथि।
नीतीश कहला जे एहि वर्ष कए भारत आ चीन मिलकए ‘आदान-प्रदान क वर्ष’ घोषित केलक अछि आ एकर अंतर्गत काफी आदान-प्रदान होएत, मुदा ओकर आगू जा कए हम चाहब जे बिहार स लोक चीनक विभिन्न शहर आ गाम जा कए ओहि ठामक काज कए देखैत।
अपन सात दिन क चीन दौरा मे नीतीश सैनडांग प्रांत, शांघाई आओर बीजिंग देखलाह।
ओ कहला जे प्रगति मे चीन जरूर हमरा स आगू अछि मुदा हमरा अपन लोकतंत्र पर नाज अछि आओर हम अपन लोकतांत्रिक तरीका स आगू बढि रहल छी। भारत तरक्की करि रहल अछि। ओ कहला जे भारत मे विकासक रास्‍ता ठिकाउ अछि आओर किछु साल मे हमसब हुनका स आगू भ जाएब एकरो मे कोनो संदेह नहि।
बिहार मे निवेश क सवाल पर ओ कहला जे बिजली, पर्यटन आओर सौर उर्जा क क्षेत्र मे ओहि ठामक लोक जेखन दिलचस्पी देखेलक अछि ओहि स लगैत अछि जे किछु दिन बाद हम बेहतर ढंग स साझा काज करि सकैत छी। ओ कहला जे एशिया कए बौद्ध धर्म कोना जोडने अछि एहि पर आयोजित एकटा अंतरराष्ट्रीय सेमिनार आयोजित मे कई देश क विद्वान आ राजनयिक बिहार पर फोकस केलथि।
नीतीश कहला जे चीन मे बौद्ध धर्म तेजी स फैल रहल अछि आओर ओहि ठामक चारिटा क्लासिकल उपन्यास मे स एकटा जर्नी टू द वेस्ट चीनी नेतृत्व हुनका सनेस देलक अछि जे कि एहि गपक संदेश अछि जे एकटा नव तर‍हक रिश्ता उभरबाक संभावना अछि। एहि नजरि स हमर इ यात्रा देश लेल सेहो बहुत उपयोगी रहल।

Tags: Biharnitishpatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बख्तियारपुर-पटना फ़ोर लेन पर शुरू होएत सितंबर स काज

टूनी देवी नहि रहलीह

Esamaad Epaper Website

बिहार मे खुलत चौतीस टा पॉलिटेक्निक, दरभंगा तारामंडल पर ग्रहण

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कियो नहि उठेलक मिथिलाक विकासक नैतिक दायित्व

by संपादक
March 27, 2017
0

Read more

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि