• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

छुतहा देह रहल आत्‍माक करीब

October 17, 2011
in फीचर, समाचार
A A

दोसरसमाचार

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020

प्रकाश झा
मैथिली भाषा क सुप्रसिद्ध लेखक महेन्द्र मलंगिया द्वारा लिखित नाटक छुतहा घैल क मंचन दिनांक 16 अक्टूबर, 2011 कए तालकटोरा स्टेडियम क सुरताल खुला मंच पर भेल। इ आयोजन दिल्ली सरकार क लोकोत्सव आयोजन क हिस्सा छल जाहि मे मैथिली – भोजपुरी अकादेमी द्वारा दू दिन क आयोजन कैल गेल। पहिल दिन भोजपुरी मे संजय उपाध्याय निर्देशित लोकनाटक विदेसिया त दोसर दिन संजय चौधरी निर्देशित नाटक छुतहा घैल क मंचन कैल गेल।
नाटक छुतहा घैल मे नाटककार मलंगिया समाज मे महिला क स्थिति कए केन्द्र मे रखलथि अछि। इ नाटक मिथिला मे प्रचलित लोककथा क प्रणेता गोनू झा क कथा पर आधारित अछि। मलंगिया जी क संवाद क तेवर एहि नाटक मे सेहो व्याप्त अछि। नाटक मे पर्याप्त लोकोक्तिक उपयोग भेल अछि।
छुतहा घैल नाटक क प्रसिद्धिक आलय इ अछि जे इ नाटक अपन प्रकाशन स पूर्वहि किशोर केशव क निर्देशन मे पटना क रंगमंच पर मंचित भ चुकल छल। एकर बहुत दिनक बाद नाटक क प्रकाशन 2010 मे मैलोरंग प्रकाशन द्वारा कैल गेल। मिथिला क गाम गाम मे इ नाटक अपन प्रस्तुति क पचास क आँकड़ा पार करि चुकल अछि।
मिथिलांगन संस्था सेहो छुतहा घैल क प्रस्तुति पहिने कए चुकल अछि। इ ओकर दोसर मंचन छल आ एकरा देखि कए लगैत अछि जे नाट्य प्रस्तुति मे उत्तरोत्तर गुणवत्ता समाहित होइत जा रहल अछि। मलंगिया जी क नाटक क खूबी ओकर तीक्ष्ण आ छोट – छोट संवाद होइत अछि। हिनकर नाटकक यैह विशेषता नाटक कए सर्वप्रिय बना दैत अछि। एकर दोसर पक्ष इ सेहो अछि जे प्रशिक्षित अभिनेता कए सेहो सिद्दत क संग बेसी स बेसी पूर्वाभ्यास करै पडैत अछि। जे एहि मंचन मे सेहो देखबा मे भेटल। एहि प्रस्तुति मे मंच पर कुमार शैलेन्द्र, शुभनारायण आ कल्पना मिश्रा सन वरीष्ठ रंगकर्मी कए देखि कए हर्दिक खुशी भेल। उम्र क एहि पड़ाव मे आबि कए सेहो मंच पर हिनकर उर्जा देखि कए दर्शक लोकनि अचम्भित छलाह।. नव अभिनेता / अभिनेत्री कए एहन रंगकर्मी स प्रेरणा लेबाक चाही। एकटा बेहतरीन प्रस्‍तुति लेल निर्देशक संजय चौधरी क संगहि सबटा अभिनेता / अभिनेत्री आ मिथिलांगन परिवार कसंग मैथिली – भोजपुरी अकादमी, दिल्ली सरकार कए बधाई।
लेखक भारतीय नाट्य संघ’क संयुक्‍त सचिव आ मैलोरंग क निदेशक सचिव छथि।

Tags: delhimaithilimithila

Related Posts

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

आब डीजीसीए लगेलक अडंगा

Esamaad Epaper Website

राज्यकर्मी कए काली पूजा पर सनेस

धनतेरस स भेटत बग्‍घी क आनंद

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि