• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

जनवरी तक आउत पटनाक मास्‍टर प्‍लान

September 10, 2011
in समाचार
A A
4.9k
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। पटना क मास्टर प्लान एहि साल सेहो तैयार नहि भ सकत। आकलन क अनुसार मास्टर प्लान कए अंतिम रूप देबा मे एखन तीन-चार मास आओर लागत। एहन मे जनवरी स पहिने एकर अंतिम रूप देखबा लेल नहि भेटत। ओना कहल जा रहल अछि जे प्‍लान लगभग तैयार अछि आ गंगा पार सोनपुर, दिघवारा, दरियापुर, हाजीपुर, राघोपुर, विदूपुर स ल कए पटना क पूर्वी हिस्‍सा मे बख्तियारपुर, दनियावां, पश्चिम मे मनेर, बिहटा आ दक्षिण मे मसौढ़ी, धनरुआ तक एकर दायरा मे होएत। पटना स आबादी क भीड़ कए कम करबा लेल आधा दर्जन सेटेलाइट टाउनशिप विकसित करबाक योजना अछि। मास्टर प्लान मे एकर खाका खींचल गेल अछि। पटना-मसौढ़ी रोड़ मे डुमरी क निकट, बिहटा, बख्तियारपुर, हाजीपुर आ सोनपुर मे एकरा लेल जमीन ताकल जा रहल अछि। एहि इलाका मे अस्पताल, स्कूल, बैंक, डाकघर, बाजार आदि तमाम नागरिक सुविधा होएत। मुख्य शहर स जुड़ाव लेल सड़कक दुरुस्‍त व्यवस्था होएत। जन निजी भागीदारी (पीपीपी) मोड मे एकरा विकसित करबाक योजना अछि।
देखल जाए त राजेंद्रनगर क बाद पिछला तीन दशक स बिना मास्टर प्लान स पटना बढैत रहल। पिछला एक दशक स नव मास्टर प्लान पर काज भ रहल अछि। जनवरी 2001 मे पटना महायोजना तैयार करबाक फैसला पटना क्षेत्रीय विकास प्राधिकार (वर्तमान मे विघटित) लेने छल। पहिने कोलकाता क फर्म कए एकर जिम्मा भेटल। बाद मे एकरा पटना महानगर क्षेत्र लेल महा योजना तैयार करबाक टास्क सेंटर फार इनवारेनमेंटल प्लानिंग एण्ड टेक्नोलाजी (सेप्ट) विश्र्वविद्यालय अहमदाबाद कए सौंपल गेल।
20 साल यानी 2021 तक क आवश्यकता कए ध्यान मे रखैत एकर निर्माण भ रहल छल। आब 2031 कए ध्यान मे राखि कए निर्माण भ रहल अछि। अंतिम चरण मे महानगर योजना मे मसौढ़ी आ धनरुआ कए मिला देल गेल अछि। आवासीय, औद्योगिक, व्यावसायिक, कृषि क्षेत्र आ जन उपयोगी इलाका अलग-अलग रेखांकित भ चुकल अछि। आब महायोजना कए स्टेट आफ आर्ट टेक्नोलाजी क प्रयोग करैत ज्योग्राफिकल इंफार्मेशन सिस्टम इनपुट क संग कैडस्टल मैप कए सुपर इंपोज कैल जेबाक अछि। देर स सही मुदा ठोस रूप मे पटनाक तसवीर सामने एबाक उम्‍मीद अछि।

Tags: पटनाबिहार
Share4906TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

अंशुक नव जीवन स उठैत सवाल

स्थिर पुल आ भटकैत कोसी

Esamaad Epaper Website

बिहार कए नुकसान पहुंचा रहल अछि केंद्र

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि