• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

जब्‍त होएत आइएएस वर्मा क सम्पत्ति

August 21, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। भ्रष्टाचार क खिलाफ राजग सरकार क लड़ाई कए कोर्ट स ताकत भेटल अछि। पटना हाईकोर्ट आइएएस शिवशंकर वर्मा क संपत्ति कए जब्त करबाक फैसले पर अपन मोहर लगा देलक अछि। मूलत: इ विजिलेंस क विशेष अदालत क निर्णय छल, जेकर खिलाफ वर्मा हाईकोर्ट गेल छलाह। हाईकोर्ट विशेष अदालत क फैसला कए बहाल रखलक। एहि बीच राज्य सरकार पटना क जिलाधिकारी कए वर्मा क संपत्ति पर दखल-कब्जा करबाक निर्देश देलक अछि। सरकार एहि मे कानूनक अनुसार स्कूल खोलबाक तैयारी करि रहल अछि। स्पेशल विजिलेंस यूनिट (एसवीयू) शर्मा क खिलाफ आय स अधिक संपत्ति क मुकदमा दर्ज केने छल। छह जुलाई 2007 कए एसवीयू हुनकर ठिकाना पर छापा मारने छल। छापामारी क दौरान वर्मा लघु सिंचाई विभाग क सचिव छलाह। छापामारी मे हुनकर निवास स्थान स स्वीट्जरलैंड क सोना क बिस्कुट, 800 सोना क गिन्नी सहित कुल 9 किलो सोना बरामद भेल छल। एकर अलावा सेहो बहुत रास संपत्तिक पता चलल छल। वर्मा पर कुल 1.43 करोड़ क मुकदमा अछि। स्पेशल विजिलेंस यूनिट कए वर्मा क खिलाफ 3 जुलाई 2007 कए आय स 6870000 टका बेसी क सम्पत्ति रखबाक जानकारी भेटल छल। जखन जांच शुरू भेल त हुनका लग 1907910 टका नकद, 24854 यूएस डालर, 2214893 टका क घरेलू सामान, 355227 टका क आभूषण, 8078596 मूल्य क सोना, 27000 टकाक बेबली स्काट रिवाल्वर, पटना- रायबरेली मे 168067 टकाक भूमि .., कुल मिलाकए 1439265 टकाक सम्पत्ति पाउल गेल।
निगरानी क विशेष न्यायाधीश आरसी मिश्र राज्य सरकार क बिहार विशेष न्यायालय अधिनियम 2009 क एक्ट-13 ई क तहत पिछला 11 मई कए संपत्ति जब्ती क फैसला सुनेने छलाह। सुनवाई क दौरान वर्मा क अपील खारिज करि देल गेल छल। पटना हाईकोर्ट क न्यायाधीश धरणीधर झा क पीठ सेहो वर्मा क दलील कए नहि मानलक। न्यायालय अपन फैसला मे कहलक ले निचला अदालत क फैसला मे कोनो प्रकार क त्रुटि नहि अछि। वर्मा क कहब छल जे स्पेशल विजिलेंस यूनिट जेकरा हुनकर सम्पत्ति बता रहल अछि, दरअसल ओ संबंधिक (रिश्तेदारों) सम्पत्ति अछि।
ज्ञात हुए जे बिहार विशेष न्यायालय अधिनियम 2009 मे संपत्ति कए जब्त करबाक व्यवस्था अछि। एकर अनुसार आरोपी पर भारतीय दंड संहिता क तहत कार्रवाई त हेबे करत संगहि ओकर संपत्ति जब्‍त कैल जाएत। एहन कानून केवल बिहार मे अछि।

कतार मे छथि आओर लोक : एसएस वर्मा असगर नहि छथि। प्रदेश मे हुनका सन लोकसेवक क कमी नहि अछि। स्पेशल विजिलेंस यूनिट आ विजिलेंस ब्यूरो क दस्तावेज मे एहन नाम क भरमार अछि। एहि ठाम किछु एहन लोकक नाम द रहल अछि जिनका पर डीए क मुकदमा भ चुकल अछि, त किछु पर मुकदमा क तैयारी अछि। कईटा मुकदमा निष्पादन क क्रम मे लगातार आगू बढि रहल अछि। सूची मे नाम अछि-रघुवंश कुंवर, सुधीर कुमार, मोतीलाल सिंह, अजय कुमार प्रसाद, रामनरेश सिंह, विनय कुमार सिंह, डा.मो.जमालुद्दीन, त्रिभुवन राय, मदन प्रसाद श्रीवास्तव, डीएन चौधरी, संजय सिंह, वाईके जायसवाल, अनिल कुमार सिन्हा, अखिलेश कुमार शर्मा, नारायण मिश्रा, नंदकिशोर वर्मा, रामाशीष सिंह, भोला प्रसाद, ओमप्रकाश सिंह, मनोज मानकर, कपिलमुनि राय, गिरीश कुमार, रवींद्र प्रसाद सिंह, विजय कुमार चौरसिया, नागा राम, कालिका प्रसाद सिन्हा, श्रीकांत प्रसाद, सुरेश प्रसाद, वकील प्रसाद यादव, योगेंद्र कुमार सिंह, नरेश पासवान, अवधेश प्रसाद .., सूची आर लंबा अछि।

Tags: Biharmaithili
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

आखिर बांटल गेल बिहार राज्य बिजली बोर्ड

Esamaad Epaper Website

बिहार मे आठ साल बाद क्रियान्वित भेल एकटा कानून

Esamaad Epaper Website

रख-रखाव लेल लीज पर देल जाएत सडक

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि