• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

जल्‍द खुलत दरभंगाक अशोक पेपर मिल

March 1, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। अहां मानि बा नहि मानि, मुदा बिहार सरकारक दावा अछि जे अगिला तीन मास मे दरभंगा स्थित अशोक पेपर मिल खुलबाक प्रक्रिया शुरू भ जाएत। विधान परिषद मे उद्योग मंत्री रेणु कुशवाहा कहलथि जे अशोक पेपर मिल खुली रहल अछि आ आब एहि ठाम मात्र कागज नहि बनत बल्कि चीनी क उत्‍पादन सेहो होएत। ओ कहलथि जे अशोक पेपर मिल परिसर मे कागज संग संग चीनी उत्पादन करबाक सेहो योजना अछि। मिश्री लाल यादव क अशोक पेपर मिल कए चालू करबाक आ ओकर संपत्ति कए रक्षा करबा संबंधित ध्यानाकर्षण क जवाब दैत मंत्री कहलथि जे मिल चालू भ रहल अछि जे आ मिल चालू भेला पर राज्‍य मे रोजगार क नव अवसर पैदा होएत। ओ कहलथि जे मिल मे बिजली आपूर्ति चालू करबा लेल राशि जमा क देल गेल अछि। मिल कर्मी कए बकाया मद मे आंशिक भुगतान क व्यवस्था कैल गेल अछि आ मिल मे उत्पादन शुरू भेला पर बकाया भुगतान कैल जाएत। श्री यादव क पूरक क जवाब मे मंत्री कहलथि जे सर्वोच्च न्यायालय क आदेश स बंद पड़ल मिल क सुरक्षा दरभंगा क एसपी क रहल छथि। एसपी आ डीएम क प्रतिवेदन क अनुसार 20 सुरक्षा प्रहरी मिल क देखभाल क रहल अछि, संपत्ति बेचबाक कोनो सूचना नहि अछि। अशोक पेपर मिल क स्थिति स्पष्ट करैत ओ कहलथि जे 1996 मे उच्चतम न्यायालय क आदेश क तहत मेसर्स नोवियो कैपिटल एंड फाइनांस लिमिटेड,मुंबई कए पुनर्वास आ कार्यरत करबाक जिम्‍मा देल गेल। स्कीम क तहत राज्य सरकार, वित्तीय संस्थान आ कामगार यूनियन क कर्तव्य क निर्धारण करि देल गेल। अदालत पुनर्वास कार्य क मूल्यांकन आ समीक्षा लेल उद्योग मंत्रालय क अध्यक्षता मे एकटा समीक्षा समिति क गठन केलक जेकरा समय-समय पर समीक्षा क अपन प्रतिवेदन सर्वोच्च न्यायालय कए देबाक छल।
बकौल मंत्री मिल 2000 मे कार्यरत भेल आ वर्ष 2001 मे राज्य सरकार द्वारा रोक लगेलाक स मिल बंद अछि। मेसर्स नोवियो सर्वोच्च न्यायालय क शरण मे गेल, जतए सरकार क रोक कए उचित नहि मानल गेल। वर्ष 2004 मे मिल लिक्विडेट भ कोलकाता उच्च न्यायालय द्वारा नियुक्त लिक्विडेटर क कब्‍जा मे चल गेल। फेर वर्ष 2010 मे नोवियो कैपिटल मिल कए कार्यरत करबा लेल उद्योग विभाग क प्रधान सचिव कए आवेदन देलक। एहि पर सरकार रोक हटा लेलक अछि। आब मिल कए चालू करबाक कार्रवाई कैल जा रहल अछि।

Tags: Bihardarbhangamithila
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

पटना मे शुरू भेल पहिल विश्व महिला कबड्डी प्रतियोगिता

Esamaad Epaper Website

कामेश्‍वर नगर कए नष्‍ट करबा मे लागल अछि मिथिला विश्‍वविद्यालय प्रशासन

Esamaad Epaper Website

भ्रष्‍टाचार क रफ़्तार आ लालू

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

विद्यापति स्मृति पर्व समारोहमे : जिंस ढ़ीला क’ र’…

by संपादक
August 16, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि