• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

जागलथि पटनावासी, भागल डॉल्फीनक शिकारी

November 22, 2009
in समाचार
A A

dollfin
उज्ज्वल कुमार
-आखिर कहिया बंद होयत डॉल्फीन क हत्या
– राष्ट्रीय जल पशु घोषित हेबाक बावजूद जारी अछि डॉल्फिन क शिकार
– कृष्णा घाट पर चार माह स जारी छल डॉल्फिन क शिकार
– नायलॉन क जाल मे आसानी स फंसि जाइत अछि डॉल्फिन
– जाल मे फंसा कए फेर ओकर गर्दन पर होइत अछि प्रहार
– सात दिन मे मारल गेल पांचटा

पटना। आखिर कहिया रुकत इ हत्याक प्रवृति। राष्टï्रीय जल जीव घोषित भेलाक बावजूद पिछला एक सप्ताह मे पांचटा डॉल्फीन क शिकार भ चुकल अछि। वाइल्ड लाइफ प्रोटेक्शन एक्ट 1972 क तहत एकरा वन्य संरक्षित प्राणी क रूप मे चिन्हित कैल गेल अछि। एकर हत्या क अपराध मानवीय हत्या क अपराध क बराबर अछि। तहुमे खास कए गंगैटिक डॉल्फीन क संख्या त आब मात्र गिनल- चुनल अछि। स्थानीय लोकक कहब अछि जे केवल कानून बना देबा स एकर रक्षा नहि भ सकैत अछि। सरेआम दिन क 11 बजे दिन मे कृष्णा घाट क लग मे मछुआरा निडर भ कए डॉल्फीन क शिकार करैत अछि। इ त महज संयोग छल जे हल्ला भ गेल आ ओकरा अपन शिकार छोडि़ कए भागै पड़ल। जखनधरि मछुआरा कए एकर जीवित रहबाक अंदाजा नहि भ सकत, तखन धरि ओ निजी लाभ क लेल एहि तरह क प्राणीक हत्या करैत रहताह।

मुदा नहि बचि सकल डॉल्फीन
शनिदिन ग्यारह बजे कार्मिक सचिव गांधी घाट स्थित छोटका वोट स अपन अतिथि कए गंगा दर्शन करा रहल छलाह। एहि दौरान वो गांधी घाट स लकए अन्य कई घाट क सफर करि रहल छलाह। ओ अपन अतिथि कए कहि रहल छलाह जे अगर डॉल्फिन क दर्शन भ जाए त मजा आबि जाइत। एहि पर वोट चालक कहलथि जे एतबा आसानी स डॉल्फिन नजर नहि अबैत अछि। ताबत कृष्णा घाट पर किछु लोक हल्ला करैत देखल गेल वोट कए तेजी स घाट दिस ल जाइल गेल। घाट क समीप पहुंचलाह पर अचानक चारि स पांचटा मछुआरा क हाथ मे डॉल्फिन देखि सब स्तब्ध भ गेल। लोक मछुआरा कए गिरफ्तार करबा लेल पुलिस कए फोन मिला रहल छल। मुदा जखने कार्मिक सचिव क वोट घाट दिस अबैत देखलक मछुआरा भागि गेल। फेर दोसर वोट क मदद स डॉल्फिन कए गांधी घाट आनल गेल। डॉल्फिन कए मछुआरा क चंगुल स छुड़ाकए अननिहार अशोक कुमार सिंह कहला जे जखन हमसब एकरा उठाकए एहि ठाम अनने रही त इ जीवित छल, मुदा किछु काल बाद दम तोडि़ देलक। एकरा हम सब नहि बचा सकलहुं।

गर्दन पर छल लाठी क चोट
डॉल्फिन रिर्सचर डॉ आरके सिंह कहला जे डॉल्फिन मछुआरा क जाल मे फंसि गेल छल। ओ जाल स निकलबाक कई बेर कोशिश केलक जेकर निशान ओकर पूंछ आ मुंह पर देखल गेल। जखन ओ थाकि कए चूर भ गेल त मछुआरा ओकरा निकालबाक कोशिश केलक, जाहि क्रम मे ओकर गर्दन पर लाठी स मारल गेल। चूंकि एहि डॉल्फिन क बैस काफी कम अछि, ताहि लेल इ चोट नहि सहि सकल आ एकर मौत भ गेल

नॉयलॉन क जेल मे फंसि जाइत अछि डॉल्फिन
डॉ सिंहा कहैत छथि जे मछुआरा सब नॉयलॉन क जाल इस्तेमाल करैत अछि। जेकरा बिहार मे करंटी जाल सेहो कहल जाइत अछि। चूंकि गंगा क डॉल्फिन आंनहर होइत अछि, ताहि लेल ओ अपन प्रतिध्वनि क इस्तेमाल करि शिकार करैत अछि। मुदा नॉयलॉन जाल स प्रतिध्वनि नहि आबैत अछि, जाहि कारण स ओ जाल मे आसानी स आबि जाइत अछि। फिलहाल जहि डॉल्फिन क मौत भेल अछि ओ तीन-चार माह क छल आ ओकर लंबाई 1 मीटर 16 सेंटी मीटर छल। एकर जन्म जून क करीब मे भेल होयत।

पर्यटक कए खूब रिझबैत अछि गंगैटिक डॉल्फीन
स्टेट टूरिज्म डिपार्टमेंट क डीजीएम नवीन कुमार क कहला जे गंगैटिक डाल्फीन विदेशी पाहुन कए खूब रिझबैत अछि। ओ भोर स सांझ धरि गंगा मे टकटकी लगाकए एकरा अपन कैमरा मे कैद करबाक प्रयास करैत छथि। पांडव क्रूज क जरिए विदेशी पाहुनक क गंगा प्रवास बढ़ल अछि। नवीन कुमार कहैत छथि जे इस मार्ग पर लोकक दिलचस्पी बढ़ेबा लेल गंगैटिक डॉल्फीन क महत्वपूर्ण भूमिका अछि।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

छोड़ल गेल छल डॉल्फीन
पर्यटक कए रिझेबा लेल गंगा मे खास तौर स डॉल्फीन कए छोड़ल गेल छल। एहन मे एकर हत्या कए त कतई बर्दाश्त नहि कैल जा सकैत अछि। प्रशासन स अनुरोध अछि जे एहि तरहक काज मे लिप्त लोकक खिलाफ सख्त कार्रवाई कैल जाए, ताकि एहि तरहक गतिविधि कए रोकल जा सके। इ खुशीक गप जे एहि मूहिम मे आम लोककसहयोग भेटि रहल अछि। आशा अछि इ सुंदर जीव गंगा क गर्भ मे सुरक्षित रहत।
फोटो – रेखा सिन्हाक

Tags: राष्ट्रीय जल पशु

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

नालंदा विश्वविद्यालय प्रोजेक्ट देश क लेल महत्वपूर्ण

Esamaad Epaper Website

शिल्पा केलथि गठबंधन

Esamaad Epaper Website

अमरीका मे मनमोहन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि