झारखंड देशक एहन इलाका अछि जे एखन धरि चारि टा पूर्व मुख्यमंत्री कए आपराधिक मामला मे जेल जाइत देखलक अछि। बिहार स अलग भेलाक बावजूद झारखंडक कलंक नहि मिट सकल। आइ इ कहबा मे संकोच नहि जे पिछला नौ साल मे कलंक दाग आओर चमकल अछि। देखबाक चाहि जे राज्य मे भ रहल विधानसभा चुनाव मे झारखंड क लोक अपन प्रतिनिधि केहन चुनैत अछि। दरअसल झारखंड बनबा काल कहल गेल छल जे बिहार मे लालू आ बालू टा रहि गेल। मुदा आइ झारखंड मे मात्र टाटा आ धोनी मात्र दू टा बचल छथि। बाकी लेल त झरकल मुंह झपले नीक।