• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

टीआइएल स अलग भेलाह अजीत झा, रैयाम चीनी मिल पर लागल ग्रहण

October 20, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

नीलू कुमारी
पटना।
रैयाम आ सकरी चीनी मिल खुलबाक सपना टूटि सकैत अछि। इ दूनू मिल किननिहार कंपनी तिरहुत इंडस्‍टीयल लिमिटेट (टीआइएल) क एकटा प्रमुख हिस्‍सेदार अजीत नाथ झा अपना कए एहि कंपनी स अलग कए लेलथि अछि। ओना कंपनी दिस स एहि गपक पुष्टि करैत उोसर हिस्‍सेदार आ कंपनीक प्रबंध निदेशक प्रदीप चौधरी कहला अछि जे कंपनी अगिला साल चीनी क उत्‍पादन शुरू करि देत। ज्ञात हुए जे अजीत नाथ झा आ प्रदीप चौधरी क हिस्‍सेदारीवाला टीआइएल बिहार सरकार स इ दूनू चीनी मिल किनने छल आ रैयाम मे संयंत्र लगेबाक घोषणा केने छल। पिछला दू साल पहिने इसमाद स कैल एकटा साक्षात्‍कार मे श्री झा दावा केने छलाह जे इ मिल 2010 तक चालू भ जाएत, मुदा 2011 मे सेहो एकर चालू हेबाक कोनो उम्‍मीद नहि अछि। एहि बीच राज्‍य सरकार कंपनी कए मिलक जमीन आ कब्‍जा दूनू हस्‍तानांतरित करि चुकल अछि। मुदा एहि दौरान कंपनीक एकटा मुख्‍य हिस्‍सेदारक अलग हेबाक घोषणा मिल खुलबाक सपना कए तोडि सकैत अछि। एहि संबंध मे जखन अजीत नाथ झा स संपर्क कैल गेल त ओ बस एतबा कहलथि जे ओ आब कंपनी स जुडल नहि छथि आ परियोजनाक संबंध मे जे कहताह प्रदीप चौधरी कहताह। कंपनी स अलग हेबाक कारण पूछला पर श्री झा टिप्‍पणी स इनकार कए देलथि। दोसर दिस श्री चौधरी कहला जे श्री झा कंपनी स अलग जरूर भ गेलाह अछि मुदा हम सब लागल छी जे ओ एक बेर फेर कंपनी क हिस्‍सा भ जाइथि। मुदा श्री चौधरी सेहो हुनकर अलग हेबाक कारण कहबा स इनकार करि देलाह। परियोजना मे देरी क सवाल पर श्री चौधरी कहला जे मिलक लगभग 50 फीसदी राशि सरकारी खाता मे राखल जा चुकल अछि। टीआइएल रैयाम मिल कए खोलबा लेल काज शुरू करि चुकल अछि। आशा अछि जे रैयाम मे अगिला मास मे मिल लागब शुरू भ जाएत। अगिला सीजन मे एहि मिल स धूआं निकलैत देख सकैत छी।
दोसर दिस बिहार राज्य चीनी निगम क पिछला कई सालक प्रयास आब रंग अनबा लेल तैयार अछि। बिहार मे बंद 15 टा चीनी मिल मे स दूटा मिल स धूआं निकलबा क तारीख तय भ गेल अछि। लौरिया आ सुगौली स 15 नवंबर कए धूआं निकलबाक उम्मीद अछि। एहि दूनू मिल कए हिन्दुस्तान पेटोलियम लिमिटेड तैयार कए चुकल अछि आ दूनू मिल मे परीक्षणक दौर भ चुकल अछि। सब किछु ठीक रहल त एहि मिल स औद्योगिक उत्पादन नवंबर स शुरू भ जाएत।
मोतीपुर आ बिहटा चीनी मिल आइपीएल आ दिल्लीक प्रीस्ताइन लोजेस्टिक कीनलक अछि। हाल फिलहाल मे मोतीपुर चीनी मिल सेहो इंडिया पोटास लिमिटेड कीन लेलक अछि। कंपनी दिस स खरीद राशिक 40 फीसदी रकम बिहार सरकार कए द देल गेल अछि। निगम आयुक्त जयमंगल सिंहक कहब अछि जे मिल क बकाया कर्मचारी सब कए देल जा रहल अछि आ बिका चुकल मिलक कर्मचारी कए आब कोनो बकाया नहि अछि। ओ कहला जे बाकी बचल मिल कए खोलबाक प्रयास तेज कैल जा रहल अछि। हुनक कहब अछि जे पहिने जे कंपनी मिल खरीद लेल सामने आयल आ सरकार संग अनुबंध केलाक बाद मिल खोलबा लेल प्रयास नहि केलक ओकरा अनुबंद खत्म करबा लेल कार्रवाई शुरू कैल जा रहल अछि। आशा केल जा रहल अछि जे एहि दूटा मिल कए खुललाक बाद बाकी मिल लेल सेहो उद्यमी सामने अउताह।

Tags: चीनी मिलरैयामसकरी
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

एकटा औपचारिक भेंट

ध्रुपद कए बचेबा मे नहि बल्कि आगू बढेबा मे लागल छी : प्रशांत मल्लिक

Esamaad Epaper Website

बाढ नियंत्रण लेल कंप्यूटर प्रतिरूप क अध्ययन जरूरी : टॉम

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि