पटना। बिहार मे एहि वर्ष संभावित विधानसभा चुनाव कए देखैत सरकार एखने स बाढ़ स बचाव आ तटबंध क सुरक्षा क योजना तैयार करबा मे जुटि गेल अछि। राज्य मे तटबंध क सुरक्षा क लेल होम गार्ड क जवान कए लगाउल जा रहल अछि। जल संसाधन विभाग एहि वर्ष तटबंध क सुरक्षा मे कोनो कोताही नहि बरतबाक गप कही रहल अछि। विभाग तटबंध क सुरक्षा क लेल आधुनिक तकनीक क इस्तेमाल सेहो करत। राज्य क जल संसाधन मंत्री बिजेंद्र प्रसाद यादव कहला जे बाढि़ स बचाव क सबटा काज जून स पहिने पूरा करबाक निर्देश अधिकारी कए देल गेल अछि। ओ कहला जे तटबंध क सुरक्षा क लेल प्रति किलोमीटर पर एकटा होमगार्ड क जवान कए लगाउल जा रहल अछि। इ जवान तटबंध मे दरार एबा बा टूटबाक आशंका पर तत्काल अधिकारी कए सूचना देत। मंत्री क मुताबिक तटबंध क निगरानी लेल अधिकारी कए वाहन सेहो उपलब्ध कराउल गेल अछि। ओ कहला जे एहि वर्ष बाढि़ स नव तकनीक आ पूरा तैयारी क संग निबटबा लेल सरकार तैयार अछि। ओ कहला जे सबस बेसी समस्तीपुर आ सुपौल मे कटाव निरोधक कार्य कराउल जा रहल अछि।