• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

तरकारी उत्पादन मे अग्रणी राज्‍य बनल बिहार

August 4, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहार आब देशक प्रमुख तरकारी उत्‍पादक राज्‍य बनि चुकल अछि आ ओ दिन दूर नहि जखन देशक थारी मे एकटा नहि एकटा तरकारी बिहारक होएत। धीरे-धीरे मुदा ठोस रूप स अग्रणी राज्‍य बनि रहल बिहार आब जैविक तरकारी दिस अपन ध्‍यान केंद्रित कए रहल अछि। ताजा आंकडा क अनुसार देश मे भिण्डी (रामझुमनी) आ फूलगोभी उत्पादन मे बिहार क स्थान द्वितीय अछि। एकर उत्पादन क्रमश: 7,88261 टन आ 11,18734 टन भ रहल अछि। आलू, बैगन आ पत्तागोभी उत्पादन मे बिहार तेसर स्थान पर अछि। उत्पादन 57,84,299 टन, 12,15641 टन आ 7,88261 टन भ चुकल अछि। टमाटर आ प्याज उत्पादन मे बिहार क स्थान देश मे आब चारिम भ गेल अछि। एहन मे सरकार आब बिहार मे जैविक तरकारी क उत्‍पादन कए बढेबा लेल योजना तैयार केलक अछि। एहि योजना क अंतर्गत पटना,नालन्दा आ वैशाली क 5500 हे. मे जैविक तरकारी करबाक निर्णय लेल गेल अछि। योजनाक संदर्भ मे कृषि मंत्री नरेन्द्र सिंह कहला जे रासायनिक खाद आ कीटनाशक दवाई क प्रयोग स उत्पादित तरकारी स निजात दियेबा लेल कृषि विभाग जैविक तरकारी क उत्पादन आ विपणन क योजना बनेलक अछि। केन्द्र क वेजिटेबुल इनिसियेटिव कार्यक्रम क जैविक तरकारी क खेती मे प्रयोग कैल गेल अछि। एहि पर वर्तमान मौसम मे 36.89 करोड़ व्यय होएत। सिंह कहला जे सोहडीह क जैविक उत्पाद कए सी-1 प्रमाण पत्र भेटल अछि जे बिहारक जैविक खेती लेल खाद क काज करत। ओ कहला जे अन्‍य जिला मे एकर संभावना कए तकबा लेल सरकार किसान आ बाजार क सर्वे कराउत। सिंह कहलाह जे अगिला साल स एसएफएसी क माध्यम स तरकारीक निर्यात त हेबे करत संग संग दूध क भांति कियोस्क पर सेहो भेटत। ओ कहला जे पटना मे 200 एसी ठेला स सेहो जैविक तरकारी बेचबाक व्‍यवस्‍था कैल जा रहल अछि। जैविक सब्जी क बुकिंग अग्रिम भुगतान पर सेलफोन स सेहो होएत। ग्राहक कए घर बैसल तरकारी भेटत। कृषि मंत्री नरेन्द्र सिंह कृषि उत्पादन आयुक्त अशोक कुमार सिन्हा, कृषि सचिव एन. विजयलक्ष्मी आ निदेशक अमरिन्दर सिंह क उपस्थिति मे उक्त घोषणा केलथि। कृषि मंत्री कहला जे नालन्दा जिला क सोहडीह क किसान अपन समूह बना लेलक अछि ,जे अनुकरणीय अछि। एहि गामक किसान गहीर नलकूप स्थापित कैलथि आ ओकर रखरखाव करबाक दिशा मे कार्य प्रारम्भ करि देलथि अछि। कृषि मंत्री क अनुसार तरकारी क उत्पादन मे रासायनिक उर्वरक आ कीटनाशक दवाई क अधिकाधिक प्रयोग कैल जाइत अछि। एकर सीधा असर शरीर पर पडैत अछि। एक प्रकार स तरकारीक रूप मे हमसब जहर खा रहल छी। एहि स मुक्ति लेल जैविक खेती कए प्रोत्साहित कैल जा रहल अछि। किसान स्वयं जैविक खाद क उत्पादन सेहो करि रहल छथि। कृषि मंत्री क अनुसार समृद्धि फाउण्डेशन आ अन्य संस्था द्वारा जैविक उत्पाद क विपणन होएत। केन्द्र क संस्था लघु कृषक कृषि व्यापार संघ (एसएफएसी) द्वारा जैविक सब्जी लेल चयनित पटना, नालन्दा आ वैशाली मे किसानक समूह बनेबा लेल आ तकनीकी सहयोग देबा लेल काज कैल जा रहल अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

काल्हि स शुरू होएत रिंग बस क एसी सेवा

Esamaad Epaper Website

बिहार मे लोकपालक गठन जल्‍द, दायरा मे सीएम सेहो

अमिताभक पाहुन बनबाक मायने

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि