• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

ताज आओर ओबरॉय होटल समूह पहुंचल पटना

April 10, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। बिहार मे पैघ होटल समूह क धाप पहुंच गेल अछि। राजधानी पटनाक बेली रोड पर ताज समूह जतय जमीन कीन लेलक अछि ओतहि ओबरॉय समूह सेहो राजधानी मे जमीन क सौदा लगभग तय करि लेलक अछि। ओना एकर आधिकारिक पुष्टि नहि भ सकल अछि। पटना मे होटलक धमक क बीच होटल मोर्याक प्रबंधन सेहो सक्रिय भ गेल अछि आ पिछला सप्‍ताह एकटा पत्रकार सम्‍मेलन मे दावा केलक जे 1988 मे ओकरा पांच सितारा होटल हेबाक प्रमाण पत्र भेट चुकल अछि, एहन मे इ कहब गलत अछि जे राजधानी मे पांच सितारा होटलक अभाव अछि। ओना एहि दौरान ओ इ नहि साफ केलाह जे 1988 मे जखन हुनका इ प्रणामपत्र भेटल छल तखन को वेलकम समूहक होटल छल आ बाद मे ओहि समूह स अलग भ गेल, एहन मे ओ प्रमाणपत्र जारी रहल बा रद़द करि देल गेल। ओना होटलक संख्‍या बढबाक आवश्‍यकता सब जता रहल छथि। राज्‍य मे पर्यटनक संभावना आ पर्यटकक संख्‍या कए देखैत राजधानी मे होटलक अभाव जग जाहिर अछि। ओना होलीडे इन ग्रुप पटना मे पहिल पांच सितारा होटल बनेबा मे जुटल अछि। इ होटल 2012 मे बनि कए तैयार भ जाइत।
एहि संबंध मे प्राधिकरणक पदाधिकारीक अनुसार एहि ठाम होटल बनेबा लेल हयात ग्रुप आ ताज ग्रुप सेहो निविदा भरने छलथि, मुदा किछु तकनीकी कारण स हुनकर परियोजना मे देरी भ रहल अछि। ओना होलीडे ग्रुप सबस बेसी निविदा मे राशि भरने छल। पदाधिकारीक अनुसार होलीडे ग्रुप सब महीना बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम कए 2.25 करोड़ टका देत। एकर बदला मे निगम ओकरा 300 एकड़ जमीन देलक अछि। एहि योजना कए बिहार मंत्रिमंडल स मंजूरी भेट चुकल अछि। मंत्रिमंडल स मंजूरी भेटलाक बाद निगम आ होलीडे ग्रुपक बीच सहमति पत्र पर हस्ताक्षर सेहो भ चुकल अछि। होलीडे ग्रुप पटना मे होटलक निर्माण क जिम्मेदारी स्थानीय होटल समूह अम्रपाली कए देने अछि, जे 2013 तक इ होटल बना कए तैयार करि देत।

Tags: Bihartaj
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे निवेश करि रहल अछि खाद्य तेल कंपनी

Esamaad Epaper Website

बिहार कए गन्ना स सीधा एथेनॉल बनेबाक अनुमति देबाक तैयारी

Esamaad Epaper Website

बिहारक तुर्की मे बनत बीएसएफ लेल आवासीय क्वार्टर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

विद्यापति स्मृति पर्व समारोहमे : जिंस ढ़ीला क’ र’…

by संपादक
August 16, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि