• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

तिवारीक आरोप स सहमल शिक्षा विभाग

January 5, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । जदयू क राष्ट्रीय प्रवक्ता आ सांसद शिवानंद तिवारी क आरोप अछि जे कुलपति क नियुक्ति मे सौदेबाजी भ रहल अछि। एहि दिशा मे आवश्यक कदम उठेबाक लेल शिक्षा मंत्री पीके शाही कए पत्र लिखला अछि।
पत्र मे तिवारी साफ कहला अछि जे इ राज्य मे शिक्षा क विकास आ नीतीश सरकार दूनू लेल नीक नहि अछि। ओ कहला अछि जे उच्च शिक्षा स जुड़ल लोक क कहब अछि जे कुलपति क नियुक्ति मे टकाक पैघ पैमाना पर लेनदेन भ रहल अछि। एकटा विश्वविद्यालय मे एहन सज्जन कए कुलपति बनाउल गेल जिनका पर निगरानी विभाग जांच करि रहल अछि। एहि मास सेहो किछु नियुक्ति हेबाक अछि जाहि लेल सौदाबाजी फर शुरू भ गेल अछि। तिवारी कहला-शिक्षक क नियुक्ति मे सेहो पूर्व मे गड़बड़ी होइत रहल अछि। 2003 मे विवि शिक्षक क नियुक्ति मे शैक्षणिक योग्यता कए गौण रखल गेल छल। योगदान पत्र नहि लिख सकनिहार कए पटना विश्वविद्यालय क शिक्षक बना देल गेल। ओ कहला जे शिक्षक नियुक्ति कए लकए सेहो पारदर्शी आ प्रभावी व्यवस्था लागू हेबाक चाही। सवाल उठैत अछि जे कुलपतिक नियुक्ति राज्यपाल सरकारक सलाह स करैत अछि आ शिक्षक नियुक्ति क नियमावली सेहो सरकारक बनाउल अछि, एहन मे तिवारीक आरोप गंभीर आ इ बतेबा लेल काफी अछि जे सरकार क शिक्षा विभाग एकटा धनवानक हाथ मे किया देल गेल। ओना तिवारीक खत क बाद शिक्षा विभाग सक्रिय भेल आ राज्यपाल स समय मंगलक अछि जे कुलपतिक नियुक्तिक मामला मे गंभीर चर्चा भ सकए, दोसर दिस कुलपति कए साफ निर्देश देल गेल अछि जे अगिला सूचना तक कोनो शिक्षकक नियुक्ति रोकि देल जाए। कहल जा रहल अछि जे विधानसभाक अगिला सेसन मे एकरा लेल एकटा आयोग बनेबा लेल बिल आनल जाएत। बहरहाल, जे हुए विपक्षक चुप्पीक बीच शिवानंद जीक इ खत सरकारक काजधाज कए जनताक सामने अनबा मे अपन योगदान देलक। आशा कैल जाए सरकार अपन एहि कलंक कए जल्द मिटेबा लेल डेग उठाउत।

Tags: Biharबिहारशिक्षा

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

ई प्रतिघात बहुत किछ कहैत अछि !

शौचालय क अभाव मे सवा करोड़ क आईसीयू क उदघाटन अटकल

Esamaad Epaper Website

बिहार क तरक्की देख खुश भेल वर्ल्ड बैंक

Comments 1

  1. Krishna karigar "Naadan" says:
    14 years ago

    unch siksha me gunwatapurn ke besi dhiyan rakhbak chahi khas ke vishwavidyalaya siksahk niyukti me ta aaor besi..merit ke sthan del jaou jahi san neek aa vishesagya sikshak appan seva da sakta..

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि