• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

तीनटा थर्मल परियोजना लेल कोल लिंकेज क आसार बढ़ल

May 9, 2010
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018


पटना। ऊर्जा विभाग लखीसराय क कजरा मे 1980 मेगावाट, भागलपुर क पीरपैंती मे 1980 मेगावाट आ बक्सर क चौसा मे एतबे क्षमताक थर्मल परियोजना लगेबाक प्रयास मे अछि। एहि परियोजना क लेल सरकार जमीन क व्यवस्था करि लेने अछि, मुदा कोल लिंकेज नहि भेटबा स आगूक काज ठमकल अछि। हाल मे केंद्रीय ऊर्जा मंत्रीक संग भेल राज्य सरकारक बैठक मे कोल लिंकेजक लेल बाट खुलबाकआसार बढ़ल अछि। ऊर्जा विभागक पदाधिकारी क कहब अछि जे सरकार थर्मल क तीनू परियोजना लेल भूमि आ जल उपलब्ध करा देलक अछि आ एकर सूचना केन्द्रीय ऊर्जा मंत्रालय कए पठा देलक अछि। आब कोल लिंकेज देबा मे कोनो बाधा नहि रहल। ज्ञात हुए जे केन्द्रीय ऊर्जा मंत्री सुशील कुमार शिंदे बिहार क ऊर्जा समस्या पर वार्ता क दौरान ऊर्जा मंत्री रामाश्रय प्रसाद सिंह कए कहने छलाह जे जाहि थर्मल परियोजना क लेल कोल लिंकेज क मांग क रहल छी, पहिने ओकरा लेल जमीन आ पाइन उपलब्ध करेबा क व्यवस्था करू। एहि लेल सम्बन्धित मंत्रालय क अनापत्ति मांगल गेल छल।
ओ कहलथि जे पहिने तीनू कए गंगा स पाइन उपलब्ध करेबाक योजना छल, मुदा जल संसाधन विभाग एकरा लेल नहर क माध्यम स पाइन देबाक व्यवस्था केेलकअछि।
समस्या क निदान क लेल ऊर्जा विभाग केन्द्र कए दू टा अलग-अलग पत्र पठेलक अछि। पहिलपत्र मे कहल गेल अछि जे परियोजना क स्थापना क लेल भूमि क संकट नहि अछि। परियोजना क आवश्यकता अनुसार पाइन सेहो उपलब्ध रहत। परियोजना कए पाइन उपलब्ध करेबा लेल केन्द्रीय जल आयोग क अनापत्ति प्राप्त नहि भेल अछि, मुदा राज्य सरकार लेल इ आवश्यक नहि अछि। ऊर्जा विभाग क अनुसार कोल लिंकेज प्रदान करेबा लेल अलग प्रक्रिया अछि। एकरा लेल बनल समिति क बैठक मे मंजूरी पर निर्णय होइत अछि। कोल लिंकेज क लेल प्रस्तावित तीनू थर्मल प्रतियोगिता बोली क आधार पर कोयला आधारित मेगा पावर परियोजना क लेल अछि। एकरा लकए राज्य सरकार, बिहार राज्य विद्युत बोर्ड आ आईएलएफएस क संयुक्त उपक्रम बिहार पावर इन्फ्रास्ट्रक्चर कम्पनी प्रा. लि. स्थान क चयन केेलक अछि।

Tags: Biharकोल लिंकेजथर्मल परियोजना
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

भागलपुर-बांका रेलखंड पर बढि़ सकैत अछि ट्रेन फेरा

Esamaad Epaper Website

कोसी नदी पर बनल पुल क होएत जीर्णोद्धार

Esamaad Epaper Website

बिहारक विकास देखबाक अछि त पंजाब आउ

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि