पटना। राज्य मे तीन लाख शिक्षक क नियुक्ति क प्रक्रिया शुरू भ गेल अछि। नियुक्ति मे अप्रशिक्षित शिक्षक क नियुक्ति सेहो कैल जाएत। शिक्षा क अधिकार लागू करबा लेल बिहार सरकार एहि शिक्षक क नियुक्ति क पहिने 17 जुलाई कए पात्रता परीक्षा ल रहल अछि। परीक्षा मे सफल अभ्यर्थी क पैनल तैयार करलाक बाद चरणबद्ध तरीका स शिक्षक क नियुक्ति कैल जाएत, ताकि आरटीइ मे निर्धारित 30 छात्र पर एकटा शिक्षक क अनुपात कए पूरा कैल जा सकए।
मानव संसाधन विकास विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह इ जानकारी दैत कहला जे आरटीइ क तहत बिहार मे तीन लाख शिक्षक क नियुक्ति हेबाक अछि। एहि अधिनियम मे प्रशिक्षित शिक्षक क नियुक्ति करबाक अछि मुदा बिहार मे ओतबा शिक्षक प्रशिक्षित नहि छथि, ताहि लेल केंद्र सरकार स अनुरोध कैल गेल अछि जे बिहार मे अप्रशिक्षित शिक्षक कए नियुक्ति करबाक अनुमति देल जाए। केंद्र एहि बाबत सैद्धांतिक सहमति प्रदान करि देलक अछि। हालांकि, विधिवत पत्र बिहार सरकार कए नहि भेटल अछि। पात्रता परीक्षा क लेल विज्ञापन जारी करि देल गेल अछि। छह जून तक आवेदन जमा कैल जा सकैत अछि। पुस्तकालय अध्यक्ष क नियुक्ति क प्रक्रिया पंचायत चुनाव क बाद शुरू भ जाएत। राज्य मे 10 हजार पुस्तकालय अध्यक्ष क नियुक्ति हेबाक अछि। एक हजार स्कूल कए प्लस टू मे उत्क्रमित कैल गेल अछि। एहि सत्र स एहि स्कूल मे पढ़ाई शुरू भ जाएत।
बिहार सरकारक चिरप्रतिक्षित पर प्रशंसनीय डेग ।