• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

एकटा फालतू सांसदक फालतू बयान

October 27, 2010
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021


जदयूक राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव क ताजा बयान बिहार क जनता कए उग्र कए देलक अछि। पहिने राहुल आ आब नीतीश समेत विकासक गप केनिहार सब नेता कए फालतू कहलाक बाद शरद यादव पर पूरा बिहार तमसा गेल अछि। मध्यप्रदेश मे जन्म लेलाक बावजूद शरद यादव बिहारक एकटा पिछड़ल जिलाक जनताक प्रतिनिधित्व करि रहल छथि। मधेपुराक लोक एहि बेरका लोकसभा चुनाव मे जातिवाद आ क्षेत्रवाद स ऊपर उठि विकासक नाम पर हुनका जीतेलक, मुदा मधेपुराक संग-संग पूरा बिहारक जनता शरदक व्यवहार देखि निराश अछि। पूरा समाज तमसाइल अछि। कारण साफ छैक, जातिक नाम पर बिहार स संसद बनबाक आदत परि चुकल शरद यादव कए विकास गप नहि नीक लागि रहल अछि, हुनकर कहब अछि जे विकासक गप केनिहार फालतू नेता छथि। ओ जनैत छथि जे बिहार मे विकास कए मुद्दा बनला पर हुनकर राजनीति खतरा मे पडि जाएत। अपन छुट्टी जे आइ ओ मधेपुराक बदला मे मध्यप्रदेश मे बिता अबैत छथि ओ शायद बंद भ जाए।
जनता कए विश्वास छल जे ओ क्षेत्रक आवाज देशक सबस पैघ पंचायत मे उठेबाक काज करताह। मधेपुराक जनता पिछला एक साल मे इ देख चुकल अछि जे शरद लगातार मधेपुराक विकास कए नजरअंदाज कए रहल छथि। पिछला एक साल मे मधेपुराक आवाज संसद क भीतर आ बाहर उठेबाक कोनो प्रयास शरद यादव दिस स नहि भेल। क्षेत्र मे आइल बाढ़िक मामला पर सेहो शरद चुप रहलाह, हुनकर बदला मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बाजि रहल छथि। जनता एहि मसला पर अपन तामस दबा लेलक, किया कि शरद कए वोट देबाक सबस पैघ कारण नीतीश कुमार छलाह। मधेपुराक जनता कए पैघ झटका तखन लागत जखन शरद यादव विकास क गप करबा पर नीतीश तक कए फालतू कहि देलथि। एहि स पूर्व ममता बनर्जीक रेल बजट संसद मे पेश भेल छल। एहि रेल बजट मे ओना त बिहार कए किछु नव नहि भेटल, मुदा किछु पुरान योजना कए भरपूर टका देल गेल। गौरकरबाक गप इ रहल जे नीतीशक क्षेत्र हरनौत मे कारखाना लेल प्रयाप्त टका आवांटित भेल अछि। एतबे नहि लालूक क्षेत्र छपरा मे रेल कारखाना लेल सेहो खजाना खोलल गेल, मुदा शरद यादवक क्षेत्र मधेपुरा मे प्रस्तावित रेल कारखाना लेल महज किछु लाख टका आवंटित कैल गेल। मधेपुराक जनता कए उम्मीद छल जे शरद यादव किछु बजताह। शरद यादव संसद मे बजलाह, खूब बजलाह। एतबा धरि बजलाह जे ‘जहर खा लेब्य मुदा मधेपुराक सवाल पर नहि महिला आरक्षणक सवाल पर। शरदक खास लोकक कहैत अछि जे हुनका लेल इ क्षेत्रीय मामला अछि आ ओ त राष्ट्रीय नेता छथि, ताहि लेल इ मुद्दा लालू प्रसाद सन नेता लेल ठीक अछि। पिछला मास जखन मधेपुरा मे रही तखनो शरद पर लोक तमसायल छल। मधेपुरा बाजार मे पानक दुकान पर चलि रहल बहस स त साफ लगैत अछि जे एहिठामक जनता शरद यादव कए जार्ज बाबूक जेकां राज्यसभा पठा देबाक इच्छा रखैत अछि। नीतीश पर देल बयान क बाद जखन लालू प्रसाद कए मधेपुरा स हरेबा लेल दिन-राति एक करनिहार मुसन यादव स पफोन पर गप भेल त हुनक कहब छल जे हमरा लोकनि कए एकटा एहन प्रतिनिधि चाही जे विकास करै न कि विकास क गप केनिहार लोक कए फालतू बूझे। हमरा एहन राष्ट्रीय नेता नहि चाही। आइ हमसब अनाथ जेका छी। पहिल बेर एहन लागि रहल अछि जेना कोनो बाहरी कए अपन नेता चुनि लेलहु अछि।
ओना भारतीय राजनेता आ खास कए बिहार चुनाव मे नेताक मुंह स अपशब्द निकलब कोनो नव गप नहि अछि। मुदा इ जरूर लोक बाट तकैत अछि जे अपन संस्कार पहिने कए देखाउत। पिछला चुनाव मे राबडी देवी क ओ भाषण पूरा बिहार कए लज्जित केने छल जाहि मे ओ नीतीश आ ललन सिंह पर कटाक्ष केने छलीह। मुदा एहि चुनाव मे एहन तक भाषणक भाषा शालीन छल आ बुझा रहल छल जे नेता उच्च कोटिक बहस करबा लेल तैयार भ गेलथि अछि, मुदा जदयूक अध्यक्ष एहि आशा पर एक लोटा पाइन खसा देलथि। सोमदिन शरद यादव अपन संस्कार कए गंगा मे बहा वंशवाद क आलोचना करैत राहुल गांधी क संबंध मे अमर्यादित भाषा क प्रयोग केलथि। ओ कहला जे मोतीलाल नेहरू, जवाहरलाल नेहरू, इंदिरा गांधी, राजीव गांधी आ सोनिया गांधी क बाद एकटा बबुआ सेहो राजनीति मे आयल अछि। इ एहि देश क दुर्भाग्य अछि। राहुल गांधी राजनीति मे राजनीतिक समझ एखन एतबे अछि जे हुनका लिखकए जे देल जाइत अछि ओ बस ओकरा पढि दैत छथि। एहन नेता कए त गंगा मे फेंक देबाक चाही। ओना कांग्रेस एहि लेल चौबीस घंटा क अंदर शरद यादव कए माफी मंगबा लेल कहलक अछि।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

मुजफ्फरपुर मे खुलत विद्युत विभाग क विशेष कोर्ट

आईएचजी संग मिल आम्रपाली समूह पटना मे बनाउत होटल

पटना मे खुलल डोमिनोज पिज्जा स्टोर

Comments 1

  1. Dayakant says:
    12 years ago

    Manniy “Adhunik Sukrat Jee” kahiya dhari jaati aa jhetrak rajneeti karab aha jahi mati se jeetal chhee je ahake sansad pahuchene achhi okar mul mantra chhaik “Atithi devo bhavah” jahi karn se aha sansad chhee. ahak muh se kakhno vikas baat te nahi niklait achhi muda ganga me pravah jarur niklait achhi. etuka janta ke sabak seho sikhayab janait achhi se savdhan rahab. kiyak te aha kakhne neetish ke party me chhi ya kakhan Laloo jeek sang se akhan tak janta ke pata nahi chalalik achhi

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि