• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दरभंगा एयरबेस पर एयरपोर्ट सन सुविधा

December 13, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

विस्‍तार योजना कए मंजूरी, यात्री विमान लेल बनत अलग टर्मिनल
दरभंगा।
दरभंगाक लोकक बहुत पुरान मांग आखिर पूरा करि देल गेल। बिहारक सबस पैघ रनवे वाला दरभंगा एयरबेस क विस्‍तार योजना कए मंजूरी द देल गेल। एहि एयरबेस कए विस्‍तार करि कए एयरपोर्ट सन सुविधा देल जाएत। एहि तरह स इ एयरबेस क प्रकार स सिविल एयरपोर्ट जेकां भ जाएत। एयरबेस क विस्‍तार योजनाक जानकारी दैत एकटा पदाधिकारी कहला जे दरभंगा एयर बेस पर यात्री विमान लेल अलग स एकटा नव टर्मिनल बनाउल जा रहल अछि। एहि टर्मिनल पर जेबा लेल अलग प्रवेश द्वार होएत। एकरा लेल अलग रेडार सेहो लगाउल जा रहल अछि। एयरबेस क एहि विस्‍तार योजना लेल जमीन अधिग्रहण क काज शुरू कैल जा रहल अछि। जानकारीक अनुसार एयरबेस क दक्षिण, पूर्व आ उत्‍तर 100-100 मीटर आगू तक जमीन लेल जाएत। जमीन मालिक कए एहि संबंध मे नोटिस पठेबाक प्रक्रिया शुरू करि देल गेल अछि। रानीपुर निवासी राघवेंद्र चौधरी क कहब अछि जे जमीन अधिग्रहणक संबंध मे हुनका नोटिस त नहि मुदा अंचल अधिकारी एकर सूचना जरूर देलथि अछि जे जमीन अधिग्रहण होएत। सूत्रक कहब अछि जे एयरबेस क 900 मीटर दायरा मे कोनो स्‍थायी निर्माण पर सेहो प्रतिबंध लगा देल गेल अछि। जखन कि एक हजार मीटर तक कोनो दू मंजिला मकान क नक्‍शा पास नहि भ सकत। विस्‍तार योजनाक बाद दरभंगा उत्‍तर बिहारक पहिल दूटा टर्मिनल वाला हवाईअडडा भ जाएत। ज्ञात हुए जे एकर निर्माण दरभंगाक महाराज कामेश्‍वर सिंह करेने छलाह। 1962 मे चीन युद्धक दौरान दरभंगा राज अपन एहि हवाई अडडा कए भारतीय वायु सेना कए द देने छल। दरभंगा एयरबेस भारतीय वायुसेनाक सबस पैघ गुप्‍त सैनिक अडडा क दर्जा रखैत अछि। 1962क बाद एकर उपयोग नेताक यात्रा या फेर बाढ राहत लेल होइत रहल। एहन मे स्‍थानीय लोक एकरा सिविल एयरपोर्ट बनेबाक मांग करैत रहल। पिछला तीन साल पूर्व एहि ठाम स यात्री सेवा शुरू करबाक लेल पहिल बेर लाइसेंस देल गेल, मुदा विमान रनवे पर नहि ठहरि सकल आ दुर्घटनाग्रस्‍त भ गेल। पिछला तीन साल स स्‍प्रीट एयरलाइंस एहि ठाम स सेवा शुरू करबाक अनुमति लेने अछि, मुदा सुरक्षा जांच करबाक जिम्‍मेदारी तय नहि हेबाक कारण स डीजीसीए सेवा शुरू करबाक अनुमति नहि द रहल अछि। जखन कि सेवा लेल खरीदल विमान जर्मनी स दिल्‍ली पिछला मास पहुंच चुकल अछि।

Tags: airportBihardarbhangamithila

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

कोना होएत मिथिलाक विकास

मिथिलादेशीय मकरन्दानुसार पतरा

Esamaad Epaper Website

निर्धारित भेल किराया

Comments 5

  1. Prakash Kr. Jha says:
    12 years ago

    Ukt pariyojna Darbhangak vikas me milak pathar sabit hoyat se asha achhi.

    Reply
  2. Dr. Shashidhar Kumar says:
    12 years ago

    बिहारक सबस पैघ रनवे वाला दरभंगा एयरबेस क विस्‍तार योजना कए मंजूरी द देल गेल। एहि एयरबेस कए विस्‍तार करि कए एयरपोर्ट सन सुविधा देल जाएत। …………………..बहुत नीक गप्प ।

    पिछला तीन साल स स्‍प्रीट एयरलाइंस एहि ठाम स सेवा शुरू करबाक अनुमति लेने अछि, मुदा सुरक्षा जांच करबाक जिम्‍मेदारी तय नहि हेबाक कारण स डीजीसीए सेवा शुरू करबाक अनुमति नहि द रहल अछि। जखन कि सेवा लेल खरीदल विमान जर्मनी स दिल्‍ली पिछला मास पहुंच चुकल अछि।……………………………………….काजक एहि तरहक गति दुखद आ निन्दनीय ।

    1962 मे चीन युद्धक दौरान दरभंगा राज अपन एहि हवाई अडडा कए भारतीय वायु सेना कए द देने छल। दरभंगा एयरबेस भारतीय वायुसेनाक सबस पैघ गुप्‍त सैनिक अडडा क दर्जा रखैत अछि। …………………………… बहुत नीक जानकारी आ जनिका ई होइत होन्हि जे आन ठामक राजा लोकनि जेकाँ दरभंगा माहाराज जनहित वा देशहित मे काज नञि कयलन्हि तनिका लेल जानकारी सुधारक अवसर सेहो । हाँ नीक बेजाए सभ ठाम होइत छै पर केवल बेजाए केँ देखओनिहार लोक सभ केँ नीक पक्षक दर्शन कराओल ।

    धन्यवाद ।

    Reply
  3. VISHWA MOHAN PRASAD says:
    12 years ago

    E jankari sa ham sab badd prasann chhi aa “esamaad” k dhanyawaad je aahaan sab vikasak khabar dey chhiai…

    Reply
  4. Mukesh says:
    12 years ago

    esamaad bahut bahut dhanyavad k paatra aichh k darbhanga k airport k vistar bha rahail 6e. Kripya kyo e bataib ki vistar purab,paschim,uttar aa dakhhin me kette dur me bha rahail chhaiya..kon kon gaon k zameen e bistar me adhigrahan haetay..

    Reply
  5. prem Mohan Mishra says:
    12 years ago

    दरभंगा स हवाई सेवा शुरु भेला सँ एकर विकासक गति बहुत बैढ़ जायत आ इ भारतक मुख्य धारा सँ जूरि जायत .अहि समाचार के हेतु इसमाद परिवार धन्यवाद के पात्र छथि

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि