• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दरभंगा मेडिकल कॉलेज मे पीजी डिग्री क सीट बढल

November 12, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

दरभंगा। प्रदेश मे आब विशेषज्ञ डॉक्टर क कमी नहि रहत। केंद्र सरकार राज्य क पांचटा मेडिकल कॉलेजों क पीजी डिग्री क सीट मे वृद्धि करबाक स्वीकृति द देलक अछि। एहि मेडिकल कॉलेज मे पीजी क 185टा सीट मे वृद्धि तय भ गेल। इंफ्रास्ट्रक्चर क लेल 70.17 करोड़ टका सेहो भेटत। एहि मे प्रदेश सरकार कए 25 प्रतिशत राशि खर्च करबाक अछि। प्रदेश सरकार क आग्रह पर वर्ष 2009 मे मेडिकल काउंसिल ऑफ इंडिया क टीम मेडिकल कॉलेज क निरीक्षण केने छल। दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल कए 15 विभाग मे पीजी डिग्री क 39टा सीट क वृद्धि कैल गेल अछि। एहि कॉलेज क शिशु रोग, एनाटॉमी, पीएसएम आ स्त्री रोग आओर प्रसूति विभाग मे चारि-चारि टा सीट क स्वीकृति भेटल अछि। फिजियोलॉजी, फर्माकॉलोजी, रेडियोडायग्नोसिस, फोरेन्सिक मेडिसीन आ शिशुरोग विभाग मे दू-दू टा सीट क वृद्धि भेल अछि। बायोकेमेस्ट्री, मनोचिकित्सा, माइक्रोबायोलॉजी आ सर्जरी विभाग मे एक-एक टा सीट क स्वीकृति देल गेल अछि। एनेस्थेसिया विभाग क पीजी डिग्री मे तीनटा सीट क वृद्धि भेल अछि। इंफ्रास्ट्रक्चर क लेल 7.09 करोड़ राशि भेटल अछि। एसके मेडिकल कॉलेज मुजफ्फरपुर क 12टा विभाग मे पीजी डिग्री क 26टा सीट पर नामांकन क स्वीकृति देल गेल अछि। इंफ्रास्ट्रक्चर क लेल एकरा 18.12 करोड़ टका भेटल अछि। जेएन मेडिकल कॉलेज भागलपुर क 14टा विभाग मे 58टा सीट क वृद्धि भेल अछि। एहि कॉलेज कए 23.49 करोड़ राशि क स्वीकृति देल गेल अछि। नालंदा मेडिकल कॉलेज पटना क 16टा विभाग मे 58टा सीट क वृद्धि भेल अछि। एहि कॉलेज कए 18.78 करोड़ भेटल अछि। पीएमसीएच क तीनटा विभाग मे मात्र चारि टा सीट क वृद्धि भ सकल अछि। एहि कॉलेज कए 2.69 करोड़ भेटल अछि। दरभंगा मेडिकल कॉलेज क प्राचार्य डा. एसएन सिन्हा कहला जे बढल सीट पर नामांकन क प्रक्रिया अगिला सत्र स शुरू होएत।

Tags: Bihardarbhangadmch

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

मुजफ्फरपुर मे आवास बोर्ड क नव स्कीम

ब्रिटानियां बिहार मे लगाउत बिस्कुट संयंत्र

उदीयमान सूर्य कए अर्घ देबाक संग चारि दिन क छठ महापर्व संपन्न

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि