• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

दरभंगा मे भेल निवेशक गति तेज

July 10, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

सुनील कुमार झा
नई दिल्‍ली।
बिहार सरकारक नबका ओद्यौगिक नीति स उत्साहित निवेशक क रुझान दरभंगा दिस बेसी बढ़ल अछि। प्रकृति क देन कहियो आ की दरभंगाक लोगक नसीब मुदा निवेशक मामला मे दरभंगा धीरे धीरे आगू बढि रहल अछि। ओना त पूरा बिहार मे कारखाना नहि रहल मुदा दरभंगा मे शपथ खेबा लेल सेहो कारखाना नहि अछि। एहन मे इ किछु प्रस्‍ताव पानीक फूहाड जंका सकून द रहल अछि। दरभंगा क चर्च एखनो एहि ठाम क मजदूर आ बाढि लेल होइत अछि। मुदा एहि चर्चक बीच दरभंगा मे साइकिल कारखानाक समाद सब कए रोमांचित केलक। लोकक ध्‍यान दरभंगा पर गेल आ आन निवेशक सेहो दरभंगा मे संभावना तकबा लेल उत्‍सुक भेलाह। दरभंगा मे निवेश लेल वातावरण तैयार भ रहल अछि। सडक आ रेल मार्ग स जुडल इ शहर जल्‍द हवाई मार्ग स सेहो जुडि रहल अछि। किछु क्षेत्र एहन अछि जाहि मे कच्‍चा माल एहि ठाम सुगमता स उपलब्‍ध भ सकैत अछि। एहन मे निवेशकक ध्‍यान दरभंगा मे जायब स्‍वभाविक अछि। एखन धरि जे प्रस्‍ताव सरकार कए भेटल अछि ओ दरभंगा क ओद्यौगिक शहर बनेबाक पहिल डेग छी। किया जे प्रसतावित निवेश छोट छोट जरूर अछि मुदा इ निवेशक बाट खोलबा मे महत्‍वपूर्ण भूमिका मे रहत। जेना कि इ’समाद कए जानकारी भेटल अछि जे
ऑकपेट बाइसाइकिल्स दरभंगा मे साइकिल एसेम्बलिंग कारखाना खोलत जे चीन स कल-पुर्जा मंगा कए एता साइकिल क एसेम्बलिंग करत। एहिना दुर्गा एगोनोमी प्राइवेट लिमिटेड दरभंगा क दोनार इंडस्ट्रीयल एस्टेट मे आठ मैटिक टन प्रति घंटा क क्षमता क चाउर मील आ दू सौ मैटिक टन क्षमता क गौदाम बनाउत। तहिना मेसर्स कुमार इंडस्ट्रीज दरभंगा क बेला इंडस्ट्रीज एस्टेट मे 150 मैटिक टन प्रति वर्ष क क्षमता क हिसाब स नूडल उत्पादन क कारखाना खोलत। जखन कि किसान फ़ूड प्रोसेसिंग उद्योग बेला क न्यू इंडस्ट्रीज मे दू मैटिक टन प्रति घंटा क क्षमता क आधुनिक चाउर मील, एक मैटिक टन प्रति घंटा क क्षमता क राईस फ्लेक्स आ 0.5 मैटिक टन मीटर टन प्रति घंटा क क्षमता क कॉर्न फ्लेक्स क कारखाना खोलत। एकर संगहि एक्वा हनी इंडस्ट्रीज दोनार इंडस्ट्रीयल एस्टेट दरभंगा मे 72 लाख लीटर प्रति दिनक क्षमता क बोतलबंद पानी क कारखाना खोलत। आ मेसर्स रंजन प्रोडक्ट दोनार इंडस्ट्रीयल एस्टेट दरभंगा मे 72 मैटिक टन प्रति वर्ष क क्षमता क मसाला निर्माण आ 120 मैटिक टन प्रति वर्ष क क्षमता क बेसन आ सत्तू निर्माण क कारखाना खोलत। एकर अलावा सेहो कईटा प्रस्‍ताव पर गप भ रहल अछि जाहि मे किछु खास क संबंध मे कहल गेल अछि जे मेसर्स सौम्या इंडस्ट्रीज 45 लाख लीटर प्रति वर्ष क क्षमता क डिब्बाबंद पानी क कारखाना दरभंगा मे खोलत। एहि प्रस्‍ताव मे स बहुत रास प्रस्‍तावक जमीन पर दर्शन एहि सालक अंत तक भ जाएत, जखन कि किछु कारखाना अगिला साल तक शुरू होएत। जानकार क कहब अछि जे इ सबटा निवेश लगभग 2हजार करोडक आस पास अछि, मुदा एहि स पैघ गप इ जे इ लाख करोडक बाट खोलि रहल अछि। जे आगू चलि कए दरभंगा कए निवेश लेल एकटा नीक विकल्‍प बना देत।

Tags: Bihardarbhangamithila
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

शाही नहि आब जैव लीची कहियउ महाराज

Esamaad Epaper Website

गरीब कए भेटत आशियाना

Esamaad Epaper Website

मिथिला मे धूम मचा रहल अछि नेपाल क एफ़एम

Comments 1

  1. Prakash kumar says:
    12 years ago

    दरभंगा क औद्योगिकीकरक करबाक प्रयास प्रशंसनीय आ स्वागत योग्य अछि । दरभंगाक संग सीतामढी आ मुजफ्फरपुर में सेहो उद्योग लगेबाक प्रस्ताव अछि । बिजली पर जोँ विशेष ध्यान देल जाय त निवेश क मात्रा में और बढोतरी भ सकैत अछि ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

by संपादक
February 23, 2019
1

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि