• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

दरभंगा मे शुरू भेल निःशुल्क बस सेवा

February 22, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

दरभंगा। सरकार त पहिनो घोषणा करैत रहल अछि, मुदा आब किछु घोषणा जमीन पर सेहो देखबा मे आबि रहल अछि। शायद बदलैत बिहार इ सबस पैघ सबूत अछि। दरभंगाक नवका वरीय पुलिस अधीक्षक विकास वैभव अपन योगदान क महज एक दिन बाद शहर मे रात्रिकालीन निःशुल्क बस सेवा चलेबाक क घोषणा केलथि त लागल जे हाल फिलहाल मे इ सेवा शुरू होएत, मुदा घोषणाक अगिले दिन ओकरा बाट पर उतारि एक प्रकार स सब कए चौंका देलथि। हुनकर इ सनेस नगरवासी लेल अमूल्य अछि। इ बस सेवा रातिक 11 बजे स भोरक पांच बचे तक लोक कए उपलब्ध रहत। शुरूआत मे इ बस सेवा शहरक मुख्य मार्ग पर चलाउल जा रहल अछि, जाहि मे बस अडडा आ रेवले टिसन अबैत अछि। एहन मे राति कए शहर पहुंचला पर घर जेबा लेल आब लोक कए कोनो असुविधा नहि भ रहल अछि। शहर मे ओना अपराधक कोनो विशेष रिकार्ड नहि अछि, तइयो एहि निःशुल्क बस मे सुरक्षाबलक तैनाती बाहर से आयल पाहुन कए सकून द रहल अछि। पूरा शहर एहि योजनाक स्वागत केलक अछि।
एहि योजना क बाद आब प्रमंडलीय मुख्यालय आ नगर निगम क्षेत्र हेबाक बावजूद दरभंगा शहर मे एखन धरि नगर बस सेवा नहि चलबा स मायूस लोक कए नव उम्मीद जगल अछि। शहर क भूगोल आ गणित मे लगातार भ रहल विस्तार कए देखैत कई बेर पहिनो एकर मांग उठि चुकल अछि, मुदा एखनधरि एहि दिस कोनो पहल नहि भ सकल अछि।
जानकार क कहब अछि जे सन 1972 मे जखन दरभंगा शहर कए प्रमंडल क दर्जा देल गेल छल तखने नगर बस सेवा शुरू कैल गेल छल, मुदा छह सालक बाद इ सेवा बंद करि देल गेल। ओहि समय बिहारक मुखिया क एहि निर्णय कए शहरक लोक विरोध नहि केलथि, जेकर परिणाम इ भेल जे ओ सेवा आइधरि बहाल नहि भ सकल। ओना 2002 मे तत्कालीन प्रमंडलीय आयुक्त अमिता पाल आ जिलाधिकारी आरबीपी यादव शहरी क्षेत्र क फैलाव कए देखैत नगर बस सेवा शुरू करबाक पहल केने छलथि, मुदा कतिपय कारण स एकरा बाट पर नहि आनल जा सकल। फेर इ प्रस्ताव ठंडा बस्ता मे चल गेल। कहबा लेल दरभंगा शहर क गिनती राज्यक पैघ शहर मे कैल जा रहल अछि, मुदा नगर बस सेवा क दृष्टि स शायद इ एक मात्र एहन शहर अछि जतए इ व्यवस्था नहि अछि। लगभग 12 किलोमीटर लंबा आ पांच किलोमीटर चौड़ा एहि शहर क एक छोड़ स दोसर छोड़ तक जेबा लेल कोनो व्यवस्था नहि अछि। नगर बस सेवा नहि रहबा स छोट वाहन चालक क मनमानी कए ल लोक परेशान छथि।

Tags: darbhanga
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

सियासी जंग जीतलाह, आब काज क बारी

Esamaad Epaper Website

योजना आकार मे 20 प्रतिशत क वृद्धि नाकाफी: सिद्दीकी

सुभारंभ

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि