• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home देश-दुनिया

दिल्ली दरबार मे बिहारक आवाज भेल बुलंद

July 25, 2010
in देश-दुनिया, समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021


नई दिल्ली । दिल्ली दरबार मे एहि बेर बिहारक मुख्यमंत्री राज्य हित मे आवाज बुलंद केलथि । इ पहिल मौका छल जखन बिहारक कोनो मुख्यमंत्री दिल्ली मे राज्यक हित लेल एना बाजल हुए । एखन धरि देखल गेल छल जे कांग्रेसी मुख्यमंत्री दिल्ली मे चुप भ केंद्रक गप गबडगबड सुनि लैत छल या फेर राबडी देवी सन विपक्षक मुख्यमंत्री दिल्ली एबा स परहेज करैत रहल। मुदा नीतीश केवल एलथि नहि बल्कि बिहारक गप जोर-शोर स रखलथि । बिहारक कोनो मुख्यमंत्री क इ रूप देखि सब स्तब्ध भ गेल। लोक इ सोचबा लेल मजबूर भ गेल जे बिहारक मुख्यमंत्री सेहो दिल्ली मे दहाड सकैत अछि। देश क सबस पैघ नीति नियामक संस्था राष्ट्रीय विकास परिषद (एनडीसी) क बैठक मे पंचवर्षीय योजना क मूल्यांकन पर नीतीश कुमार पुरजोर तरीका स अपन गप कहलथि। नीतीश केंद्रीय योजना क इ कहिकए धज्जी उड़ा देलथि जे एकरा त केंद्र राज्य क हक मारिकए अपन वाहवाही लूटबा लेल चला रहल अछि। अपन भाषण मे नीतीश राज्य सरकार किछु मांग सेहो आगू बढ़ौलथि, मुदा ओ साफ तौर पर कहलथि जे केंद्र सरकार जेना राज्य क आजादी खत्म करबा मे लागल अछि ओ लोकतंत्र क संघीय व्यवस्था लेल घातक अछि। मौजूदा सरकार जे करि रहल अछि ओहि स संविधान क भावना आ राष्ट्रीय विकास परिषद क उद्देश्य दूनू ध्वस्त भ रहल अछि। इ राज्य क आजादी कए हड़पबाक कोशिश छी। नीतीश क तर्क छल जे केंद्र अपने त लोकलुभावन योजना आनि कए वाहवाही लूट रहल अछि, मुदा राज्य कए भेटैएवाला केंद्रीय मदद कम करि रहल अछि। 11वीं योजना क प्रस्तावित सकल बजटीय समर्थन मे राज्य क हिस्सा 34 फीसदी स घटि कए 23 फीसदी रहि गेल अछि, जखनकि केंद्र क हिस्सा 66 स बढ़ि कए 77 फीसदी भ गेल अछि। प्रधानमंत्री नीतीशक एहि आरोप पर चुप रहलाह। मुदा कईटा आन मुख्यमंत्री नीतीशक एहि गप पर सहमति जतेलथि।
नीतीश कुमार केंद्रीय मंत्री पर गंभीर आरोप लगबैत कहला जे हमर संघीय ढांचा कए इ शोभा नहि दैत अछि जे केंद्र क मंत्री केंद्रीय संसाधन आ मंच क उपयोग राज्य सरकार क आलोचना करबा लेल करथि। संविधान मे केंद्र क भूमिका राज्य क सहयोगी क रूप मे देल गेल अछि नहि कि अड़ंगा डालबा लेल। ओ कहला जे बिहार क सकल घरेलू उत्पाद मे उत्साहजनक प्रगति भेल अछि, तइयो प्रति व्यक्ति क आय क मामला मे हम काफी पाछु छी। सामाजिक क्षेत्र मे हम अति प्रशंसनीय प्रगति केलहूं अछि, तइयो राष्ट्रीय प्रति व्यक्ति क आय क स्तर कए छूबा लेल हमरा भारी निवेश करबाक जरूरत अछि। अतः निवेशक कए आकर्षित करबा लेल खासकए कृषि आधारित उद्योग क क्षेत्र मे बिहार कए विशेष राज्य क दर्जा देल जाए। एक बेर विशेष राज्य क दर्जा प्राप्त होइते, बिहार अपन जरूरत क अपने ध्यान रखबा मे सक्षम भ जाएत। भारतीय खाद्य निगम क दिस स राज्य मे पर्याप्त भंडारण क्षमता विकसित करबा लेल प्रयास हेबाक चाही। शिक्षा क अधिकार कानून लागू करबा लेल राज्य कए 25 हजार करोड़ टकाक जरूरत अछि। नीतीश कुमार सीधा सवाल केलथि जे अगर एतबा टका अहांक कहला पर शिक्षा पर खर्च करि देब त बाकी विकासक काज कोना होएत।
गौरतलब अछि जे कुमार मुख्यमंत्री बनलाक बाद स लगातार एहि मांग कए उठबैत रहलाह अछि आ योजना आयोग क लग मे इ मामला विचाराधीन अछि। ओनो विशेष राज्य क दर्जा देबाक अधिकार राष्ट्रीय विकास परिषद क लग मे अछि।

Tags: Biharnitish
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

कुंठित भ बांझ बनल झारखंडक राजनीतिक सर्जनशीलता

Esamaad Epaper Website

बिहार मे 807 किमी सड़क क होएत कायाकल्प

Esamaad Epaper Website

रांची-पटना लेल 15 स एयर टैक्सी सर्विस

Comments 1

  1. Dayakant says:
    13 years ago

    Bahut bahut dhanyabad nitish jee

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि