• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

दिल्‍ली मे देखल मिथिलाक लोकरंग

August 29, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

श्रीराम सेंटर मे भेल मुक्ति पर्व क सफल मंचन
इसमाद परिवार
नई दिल्‍ली।
सांझखन जखन हाथ मे बांसक चंगेरा लेने मैथिली रंगमंच क महिला कलाकार सब सामाक गीत गुनगुनाइत मंच पर उपस्थित भेलथि त लागल जेना दिल्‍ली मे मिथिला चलि आयल। दिल्‍लीक करेज मंडी हाउस मे स्थित श्रीराम सेंटरक सभागार मिथिलाक लोकरंग मे रंगल छल। सोमदिन मैलोरंग क तत्‍वावधान मे प्रख्‍यात लेखक अविनाश चंद्र मिश्रक नाटक ‘मुक्ति पर्व’ क मंचन भेल। जितेंद्र झा द्वारा अनुदित एहि नाटक कए निदेर्शन युवा निर्देशक प्रकाश झा केलथि। प्रकाश बेर फेर अपन निर्देशनक लोहा मनबेबा मे सफल रहलाह। मिथिलाक लोक पर्व सामा-चकेबा पर आधारित एहि नाटक क मंचन अदभुत छल।
मिथिलाक पारंपरिक नटुआ नाच शैली मे प्रस्तुत इ नाटक मिथिलाक आन सेहो गायन शैली कए मंच पर स्‍थापित करबा मे सफल भेल। मैलोरंग क कुशल आ माजल कलाकारक मेहनत एक बेर फेर अपन रंग देखेलक। मिथिली नाटकक इतिहास मे शायद इ पहिल बेर छल से श्रीराम सेंटर सभागार व्‍यावसायिक रूप स खचाखच भरल छल। इ मैलोरंग क मेहनतक प्रति लोक क विश्‍वास आ मैथिली रंगमंच क व्‍यावसायिक भविष्‍य कए रेखांकित करैत अछि।
भाई-बहिन क स्‍नेह स रंगालय एहि नाटकक एक एक टा कलाकार अपन चरित्र कए बेहतरीन तरीका स निभेलाह। परदा उठलाक उपरांत जखने मंच पर सूत्रधार क रूप मे निलेश आ विपटा क रूप मे संतोष एलाह त सभगोटे क थपड़ी क आवाज स सभागार गुंजित भ गेल। मुकेश झा एक बेर फेर अपन प्रतिभा कए प्रमाण प्रस्‍तुत केलथि। चूरक क चरित्र कए जीवंत बना ओ सबहक ताली बटोलथि। विपटा क रूप मे संतोष क अभिनय गजब रहल। सभागार मे बैसल दर्शक लोकनि हुनक एक एकटा संवाद सुनि वाह-वाह कहबा स अपना कए नहि रोकि सकलाह। सामा क रूप मे स्‍वपना आ साम्ब क रूप मे अभिनेता अनिल सेहो अपन भूमिका क संग नीक जेकां न्याय केलथि। कुल मिलाके दू घंटा क ई नाटक दर्शकक भरपूर मनोरंजन केलक। सभागार मे दर्शक क रूप मे बिहार विधान सभाक सदस्‍य बिनोद नारायण झा, मोहल्ला लाइव क संपादक अविनाश दास, हेल्लो मिथिलाक हितेंद्र गुप्‍ता संगहि कईटा विशिष्‍ट लोक उपस्थित छलथि। नाटकक बाद युवा निर्देशक आ मैलोरंग संस्‍थाक संस्‍थापक निदेशक प्रकाश झा उपस्थित दर्शक लोकनि कए धन्‍यवाद ज्ञापित केलथि। संगहि ओ घोषणा केलथि जे मैलोरंग दिस स प्रदान कैल जा रहल ज्योतिरीश्वर सम्मान वर्ष 2011 क लेल कोलकाता मे मैथिली रंगमंच कए स्थापित करनिहार रंगपुरुष दयानाथ झा कए प्रदान कैल जाएत। इ सम्‍मान हुनका दिसंबर मे आयोजित एकटा समारोह मे देल जाएत।
नोट : नाटकक समीक्षा शीघ्र

Tags: दिल्‍लीनाटकमैथिलीमैलोरंग
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

छाप छोड़बा मे सक्षम रहल मुक्तिपर्व

Esamaad Epaper Website

सर्वाधिक भ्रष्‍ट नहि रहल बिहार

Esamaad Epaper Website

खत्‍म भेल गतिरोध, सुधरत हालात

Comments 5

  1. Gautam says:
    11 years ago

    dhanaybaad esamaad team ke ehi news k lel

    Reply
  2. atuleshwar jha says:
    11 years ago

    maithili lel e ekta nik snadesh je mahanagar me maithili natak safal bhel. ehi k lel melorang ke badhaai.

    Reply
  3. प्रकाश झा says:
    11 years ago

    dhanyawad, kumud jee…

    Reply
    • प्रकाश झा says:
      11 years ago

      नाटकक सम्पूर्ण समीक्षाक इंतजार अछि..

      Reply
  4. Prakash Kr. Jha says:
    11 years ago

    Badhaai……….

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि