• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home संपादकीय

दुर्भाग्‍य मैथिलीक जे एहन पुत्र भेल

January 8, 2012
in संपादकीय, समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

एहि स पैघ दुर्भाग्‍य कोनो भाषा लेल आओर की भ सकैत अछि जे लेखक, रचना आ पुस्‍तक भेलाक बावजूद मैथिली क आंचर मे पुरस्‍कार नहि आउत। कारण चयनकर्ता लापता छथि। इ हाल कोनो छोट मोट पुरस्‍कार क नहि अछि बल्कि अकादमी पुरस्‍कारक अछि। जानकारी क अनुसार चयनकर्ता बनबा लेल कोनो हद तक चमचागीरी केनिहार जखन चयनकर्ता बनलाह त बैसार लेल ओ अपन व्‍यस्‍त समय मे स किछु क्षण नहि निकालि सकलाह। हद त इ भ गेल जे ”नहि हगब आ नहि बाट छोडब” जेकां ओ एहि समिति स अपन नाम तक वापस नहि लेलथि जे कियो आन नहि एहि समिति मे राखल जा सकए। कुल मिला कए भेल इ जे मैथिली मे केकरा इ पुरस्‍कार देल जाए ताहि पर फैसला त दूर कोनो बैसार तक नहि भेल। एहन मे आशंका प्रबल अछि जे वर्ष 2011 लेल एहि पुरस्कार स मैथिली वंचित भ जाएत। ओना मैथिली लेल इ कोनो नव गप नहि अछि। पहिने सेहो तीन बेर मैथिली कए इ पुरस्‍कार नहि भेटल अछि, मुदा ओ मामला एहि स अलग छल। एहि स पहिने जखन मैथिली वंचित भेल छल त कारण पुरस्‍कार जोकर पुस्‍तक क अभाव कहल गेल छल। जेना 1965 मे साहित्य अकादमी क मान्यता भेटलाक बाद पुरस्कार क पहिल दावा 1966 में बनल छल, मुदा कोनो रचना कए पुरस्कार लायक नहि मानल गेल। 1972 आ 1974 में सेहो कारण समान रहल। मुदा एहि साल जे भेल ओ त इतिहास नहि अछि। अकादमी मैथिलीक चयन लेल दू-दूटा बैसार बजेलक मुदा अकादमी दिस स मनोनीत तीनू निर्णायक बैसार मे शामिल नहि भेलाह। मामला फिलहाल अकादमी क अध्यक्ष क हाथ में अछि। साहित्य अकादमी क कार्यकारिणी समिति हुनका एहि संबंध मे निर्णय लेबाक अधिकार सौंप देलक अछि। नियम अनुसार साहित्य अकादमी पुरस्कार पर निर्णय निर्णायक क बैसार क बिना नहि भ सकैत अछि। मैथिली क दुर्भाग्य अछि जे तीनू तीन एतबा नैतिक रूप स खसल छलाह जे अपन संस्तुति पठा देलथि मुदा बैसार मे शामिल नहि भेलथि। परिणाम भेल जे अन्य भाषा क पुरस्कारक घोषणा त भ गेल मुदा मैथिली अपन एहि तीनटा नालायक संतान पर नोर बहा रहल अछि। साहित्‍य अकादमीक कहब अछि जे अगर निर्णायक सब कए नहि एबाक छल त ओ पहिने इ प्रस्‍ताव कए ठुकरा सकैत छलाह जाहि स अकादमी दोसर गोटे कए नामित क सकैत छल आ एकटा समृद्ध भाषा कए पुरस्कार स वंचित हेबाक नौबत नहि अबितए।
मैथिली भाषा संग भेल एहि प्रकारक मजाक करबाक दोषी क संबंध मे जानकारी तकनीकी रूप स नहि देल जा सकैत अछि। मुदा साहित्य अकादमी, दिल्ली में मैथिली क संयोजक डॉ. विद्यानाथ झा ‘विदित’ सेहो एहि स काफी व्यथित छथि। डॉ. विदित क पिछला सप्‍ताह दरभंगा मे पत्रकार सब संग गप मे कहला जे हुनकर कार्यकाल में मैथिली संग भेल एहि स बेसी दुर्भाग्यपूर्ण स्थिति आओर किछु नहि भ सकैत अछि। ओना ओ साहित्य अकादमी क कार्यसमिति स अनुरोध केलथि अछि जे मैथिली कए पुरस्कार स वंचित नहि कैल जाए, मुदा ओ इ साफ नहि केलथि जे चयन समिति क सदस्‍य चुनबा मे हुनकर केतबा योगदान छल आ अगर छल त एहन लोक कए समिति मे किया लेलथि जेकरा मैथिली लेल एतबो समय नहि अछि। सवाल अछि जे भ सकैत अछि देर सबेर एहि साल मैथिली कए इ पुरस्‍कार द देल जाए आ मैथिली मे रचना केनिहार कए संतोष भेट जाए, मुदा मैथिली कए अपन बाप क दलान बुझिनिहार एहि प्रकार विद्वान सबहक बहिष्‍कार कहिया होएत। अकादमी हिनकर नाम जेतबा नुका लैत मुदा कहल जाइत छैक जे चालि आ प्रवृति नहि बदलैत अछि। सब कए पता अछि इ कुकर्मी सब कए छथि।

Tags: Bihardarbhangamaithili
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे कारोबार लेल माहौल बनल : बिलिमोरिया

Esamaad Epaper Website

आब जब्‍त होएत दलाल क संपत्ति

Esamaad Epaper Website

उत्‍तर बिहार मे खुलत राष्ट्रीय स्तर क शोध संस्थान

Comments 3

  1. Dhiraj Jha says:
    11 years ago

    करेजा फैट गेल…

    हम हुनका सs मैथिलि बsजलौं
    उ रहs जे हिंदी छांटी रहल रहs
    घंटा भरक बात मs कान तरैस गेल
    मुदा एक शबद नै मैथिलि बाजलक
    पुछ्लौं झाजी घर कतs भेल?
    कहलक दरभंगा “I m outside from a long ”
    आखिर हमर मsन हरखित भेल
    जब सुनलौं मैथिलि हुनकर मुख सs
    पुछला पर की अप्पन भाषा किया नs बजै छि
    बच्चा सsब कs किया नs गाम भेजै छि
    कहलक –यौ की कही लाज लगे यs
    फाटs धरती जे हम समाबौं, हमर मू मs धान दियौ तs लावा
    कहलों हुनका जे यौ अहाँ कोन नौकरी करै छि
    जे अप्पन भाषा कs एना तजै छि
    “मैथिलि” सs सम्मान भेटल यs
    ओही सs पहचान भेटल य
    क्रमश: …

    Reply
  2. Prakash Kr. Jha says:
    11 years ago

    Bahut durbhagyapurna sthiti achhi. Kono bhasha ke Sahiya akademi puraskar bhetnai kono chhot gapp nahin thik, Maithili ke ehi sa maithili bhashiye sab vanchit karba par tulal chhathi. Besi lok ke jankari me chhanhi je teenu mahaan vyakti sabh ke chhathi.

    Reply
  3. amit kr. mishra says:
    11 years ago

    Ki Kahu E sab Suni k Bahut Dukh hoye je lichu log sab ate busy v gel chaith je hunka apan matri bhasa ke le lsamay nai chan thag chaith or kursi seho chahi ham kahay chi ehan log sab ke ghar me nai mojar hetay je ehan type ke lok hoye hjakra gahr me mojar nai o sab neta or kursi ke pyar jyada rahay chani o karta kichu nai ehan log sab ke hatau e kursi par s je maithili ke lelkalank chaith

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि