• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

दूटा बंद चीनी मिल मे चलल मशीन, चारिटा भ रहल अछि तैयार

January 14, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । बिहार राज्य चीनी निगम क पिछला कई सालक प्रयास आब रंग अनबा लेल तैयार अछि। बिहार मे बंद 15 टा चीनी मिल मे स छहटा मिल स धूआं निकलबा क घोषणा अगिला वित्त वर्ष मे भ सकैत अछि।
खुली रहल छहटा मिल मे स सबस पहिने लौरिया आ सुगौली स धूआं निकलबाक उम्मीद अछि।
एहि दूनू मिल कए हिन्दुस्तान पेटोलियम लिमिटेड लगभग तैयार कए चुकल अछि आ दूनू मिल एखन परीक्षणक दौर मे अछि। सब किछु ठीक रहल त एहि मिल स औद्योगिक उत्पादन एहि मास स शुरू भ जाएत।
एहिना दोसर दौर मे बिकायल रैयाम आ सकरी चीनी मिल सेहो टीआइएल कए सौंपल जा चुकल अछि। एहि मिलक लगभग 50 फीसदी राशि सरकारी खाता मे राखल जा चुकल अछि। टीआइएल रैयाम मिल कए खोलबा लेल काज शुरू करि चुकल छथि। आशा अछि जे रैयाम मे एहि मास मे मिल लागब शुरू भ जाएत। कंपनीक एकटा अधिकारीक कहब अछि जे अगिला सीजन मे एहि मिल स धूआं निकलैत देख सकैत छी।
मोतीपुर आ बिहटा चीनी मिल आइपीएल आ दिल्लीक प्रीस्ताइन लोजेस्टिक कीनलक अछि। हाल फिलहाल मे मोतीपुर चीनी मिल सेहो इंडिया पोटास लिमिटेड कीन लेलक अछि। कंपनी दिस स खरीद राशिक 40 फीसदी रकम बिहार सरकार कए द देल गेल अछि। निगम आयुक्त जयमंगल सिंहक कहब अछि जे मिल क बकाया कर्मचारी सब कए देल जा रहल अछि आ बिका चुकल मिलक कर्मचारी कए आब कोनो बकाया नहि अछि। ओ कहला जे बाकी बचल मिल कए खोलबाक प्रयास तेज कैल जा रहल अछि। हुनक कहब अछि जे पहिने जे कंपनी मिल खरीद लेल सामने आयल आ सरकार संग अनुबंध केलाक बाद मिल खोलबा लेल प्रयास नहि केलक ओकरा अनुबंद खत्म करबा लेल कार्रवाई शुरू कैल जा रहल अछि। आशा केल जा रहल अछि जे एहि छहटा मिल कए खुललाक बाद बाकी मिल लेल सेहो उद्यमी सामने अउताह।

Tags: Biharsugar mil
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

भारत-नेपाल सीमा पर बनत नवका सड़क

Esamaad Epaper Website

गणित मे काफी आगू अछि बिहार क बच्चा

Esamaad Epaper Website

डेढ़ साल मे तैयार भ जाएत पटना एम्स

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि