• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दू टा निजी सेक्टर कए उद्योग लगेबा लेल भेटल अनुमति

January 5, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। राज्य मे निवेश क प्रक्रिया धीरे-धीरे तेज भ रहल अछि। एहि संदर्भ मे पिछला हफ्ता राज्य कैबिनेट दू टा निजी निवेशक प्रस्ताव कए मंजूरी देलक। इंदौर क सुमन एग्रीटेक प्रा.लि. 45 हजार मिट्रिक टन क्षमता वाला वेजिटेबुल रिफाईड आयल क यूनिट भोजपुर जिला क कुल्हडिय़ा मे स्थापित करत। एहि यूनिट मे इंटर इस्टेरिफिकेशन यूनिट आ बेकरी क उत्पादन सेहो होएत। 30 एकड़ जमीन पर एहि प्रोजेक्ट कए एहि साल अपै्रल माह मे शुरू करि देल जाएत। एहि यूनिट मे 250 टा लोक कए रोजगार भेटत। एकर अलावा हरियाणा क ट्राईटोन इनजी लिमिटेड औरंगाबाद जिला क बारूण मे 1320 मेगावाट विद्युत उत्पादन क्षमता क कोल बेस्ड थर्मल पावर स्थापित करत। एहि प्रोजेक्ट मे 6573 करोड़ टका क खर्च क अनुमान अछि। थर्मल पावर यूनिट स्थापित करबाक लेल 1400 एकड़ जमीन क व्यवस्था कंपनी स्वयं करत।
कैबिनेट सचिव एक टा विशेष भेंट मे कहलथि जे राजगीर मे भेल कैबिनेट क बैठक मे कुल 27 टा बिन्दु पर चर्चा भेल। एहि मे राजगीर ड्रेनेज सिस्टम योजना कए एहि वर्ष मलमास मेले स पूर्व शुरू करि कए दू साल मे पूरा करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। इ परियोजना 77.67 करोड़ टका क अछि।
एकर अलावा राजेन्द्र कृषि विवि क अधीन धान क कटोरा शाहाबाद क्षेत्र क डुमरांव मे कृषि महाविद्यालय क स्थापना पर सहमति जताउल गेल। राज्य मे 1900 ठाम मिनी पाइप जलापूर्ति योजना क तहत पेयजलापूर्ति क व्यवस्था कएल जाएत। एहि मे 1500 विद्युत आ 400 सौर ऊर्जा संचालित संयंत्र होएत। एहि योजना क लेल 26 टा सूखाग्रस्त जिला क चयन कएल गेल अछि। योजना पर 300 करोड़ टका खर्च होएत। राज्य म आर्सेनिक, फ्लोराइड आ लौह प्रभावित जिला मे ट्रिटमेंट प्लांट आ जलापूर्ति क लेल 332 करोड़ टका खर्च कएल जाएत। एहि तरह राज्य सरकार पेयजल पर कुल 632 करोड़ टका खर्च करत। भूमिहीन महादलित समुदाय क लोक कए आब 3 डिस्मिल जमीन खुद क्रय करबाक अधिकार द देल गेल अछि। एकर एवज मे हुनका अधिकतम 20 हजार टका भुगतान कएल जाएत।

Tags: patna

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

जलजमाव स निजात क लेल 150 करोड़ टका क योजना तैयार

राज्य कए नव वर्ष क तोहफा देलक बालिका

वित्त रहित डिग्री कॉलेज कए भेटत 38 करोड़

Comments 1

  1. Ish nath says:
    15 years ago

    krishi se la ka udyog lak,siksha sa la ka sarak tak Bihar ke badlab dekhbak lel aab Bihar genai jaruri……….Ha Ha saty ,Hamar tatka anubhav Parivartan saph dekhai parat ….Ahu sab jarur jau Bihar vikasak sikchhi banbak lel…NAV VARSHAK SUBHKAMNAK SANG…..ISH NATH MISHRA.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि