• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

देशक पहिल वाटरफ्रूफ सड़क बिहार मे तैयार

February 7, 2010
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना : पुख्ता स्टेट हाइवे आ मेजर डिस्ट्रिक रोड बनेबा मे बिहार पिछला तीन-चारि साल मे महारत हासिल त करिये लेलक अछि, आब इ वाटरफ्रूफ सड़कवाला पहिल राज्य सेहो बनि गेल। वैशाली जिला क महुआ मे 7.05 किलोमीटर वाटरफ्रूफ सड़क क निर्माण भ गेल। 10 फरवरी क बाद इ सड़क जनता क लेल खोलि दे जाइत। इंजीनियर क दावा अछि जे सब किछु ठीक-ठाक रहल, त नौ साल तक सड़क क बाल तक बांका नहि भ सकत। पटना मे पिछला साल भेल सड़क कांग्रेस मे वाटरफ्रूफ सड़क निर्माण क तकनीक पर देश-विदेश के कईटा इंजीनियर अपन-अपन प्रजेंटेशन देने छलाह। एहि सड़कक निर्माण सड़क निर्माणक मातृ विभाग पथ निर्माण विभाग नहि, बल्कि ग्रामीण कार्य विभाग महुआ करौलक अछि। 7.05 किलोमीटर लंबा एहि सड़क क निर्माण पर 3.50 करोड़ खर्च भेल अछि। सड़क क निर्माण पायलट प्रोजेक्ट क तहत भेल अछि। आइआइटी, खडग़पुर क रोड विशेषज्ञ बीबी पांडेय एहि प्रोजेक्ट क डिजाइन तैयार केेलथि अछि। ओ अपने एकर मॉनीटरिंग सेहो केलथि अछि। एहि तकनीक क सड़क मे सिलिकन रसायन क इस्तेमाल होइत अछि। सिलिकन क उपयोग कॉस्मेटिक, कपड़ा, सोलर पैनल आ साबुन बनेबा मे सेहो होइत अछि। एहि रसायन स यूरोप क जलजमाववाला इलाका मे कईटा सड़क क निर्माण भ चुकल अछि। पहिल बेर भारत मे एकर इस्तेमाल सड़क निर्माण क क्षेत्र मे भेल अछि। इंजीनियर क दावा अछि जे पीसीसी या कालतोर सड़क क तुलना मे इ तकनीक स सड़क निर्माण करेबा मे कम लागत आबि रहल अछि। सिलिकन लेदर जल निरोधक क काज करैत अछि। एहि कारण यदि सड़क पर पाइन लगत, त ओ भीतर प्रवेश नहि करि सकत, सड़क नहि टूटि सकत। पर्यावरण क लिहाज स सेहो इ तकनीक अनुकूल अछि। अभियंता कहला जे आइआइटी, खडग़पुर क अभियंता अगिला 18 माह तक एहिन् सड़क क टेस्टिंग सेहो करताह। विभागीय अधिकारीक कहब अछि जे महुआ सड़क क प्रयोग सफल भेल त सूबा मे एहि तकनीक स आओर सड़क क निर्माण कराउल जाइत।

Tags: Biharroad
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

दरभंगा-पटना हवाई सेवा : 3 क जगह 10 सीटर विमान उड़त

एकटा आओर रैली

बुद्धम शरणम गच्छामी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि