• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

देश कए बहुत किछु देलक अछि बिहार: पाटील

March 23, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। राष्ट्रपति प्रतिभा देवी सिंह पाटील कहलथि अछि जे बिहार देश कए बहुत किछु देलक अछि आ एकर इतिहास गौरवशाली रहल अछि। बिहार विधान परिषद क शताब्दी समारोह कए संबोधित करैत ओ कहलथि जे राज्य क इतिहास, सभ्यता आ संस्कृति क इतिहास अछि। बिहार मौर्य आ गुप्त साम्राज्य क साक्षी रहल अछि। गुप्त काल कए देश क स्वर्णकाल कहल जाइत अछि। ओ कहलथि जे बिहार क इ धरती समाज कए कालिदास, चाणक्य, आर्यभट्ट जइसन ज्ञानी देलथि। नालंदा आ विक्रमशिला विश्वविद्यालय सेहो बिहार क देन अछि। राष्ट्रपति कहलथि जे लोक कए जाति, धर्म आ सम्प्रदाय तक सीमित नहि रहबाक चाही, बल्कि सब कए देश क लेल सोचबाक चाही।
ओ कहलथि जे बिहार हरदम सब लेल सोचैत रहल अछि आ सब कए अपन बनबैत रहल अछि। स्वतंत्रता संग्राम क दौरान राष्ट्रपिता महात्मा गांधी बिहार आएल छलाह आ तखन ओ कहने छलाह जे ओ बिहार छल जे हुनका भारत मे पहचान दियौलक।
पाटील कहलथि जे हुनका खुशी अछि जे हाल मे बिहार कई क्षेत्र मे तेजी स विकास केलक अछि आ आगू बढ़ल अछि। ओ कहलथि जे संभवतः बिहार देश क एहन पहिल राज्य अछि जतए ग्राम पंचायत मे महिला कए 50 प्रतिशत आरक्षण देल गेल अछि। ओ कहलथि जे सब राज्य कए एहन कल्याणकारी योजना चलेबाक चाही जाहि स महिला कए सशक्त कैल जा सकए आ समाज क अंतिम पायदान पर ठार लोक कए एहि विकास योजना क लाभ भेट सकए।
राष्ट्रपति कहलथि जे सामाजिक सेवा आ रोजगार क संग-संग बेहतर शिक्षा आओर स्वास्थ्य सेहो आवश्यक अछि। ओ अपन संबोधन मे कहलथि जे सम्राट अशोक एक बेर कहने छलाह जे जनकल्याण कए बढ़ावा देबा स बेसी महान आओर कोनो कार्य नहि अछि।
एहि स पूर्व राष्ट्रपति विभिन्न लेखक क लिखल सातटा पुस्तक क लोकार्पण केलथि। एहि पुस्तक मे बिहारीनामा, विधान परिषद का इतिहास, विधान परिषद सदस्य परिचय, बिहार के बलिदानी नामक पुस्तक शामिल अछि।
एहि स पहिने राष्ट्रपति दीप प्रज्जवलित करि विधान परिषद शताब्दी समारोह क विधिवत उद्घाटन केलथि। इ समारोह एक वर्ष तक चलत। एहि मौका पर राज्य क राज्यपाल देवानंद कुंवर, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, नेता प्रतिपक्ष अब्दुलबारी सिद्दिीकी सेहो उपस्थित छलाह। विधान परिषद क अध्यक्ष ताराकांत झा आगत पाहुनक स्वागत केलथि, जखन कि धन्यवाद विस अध्यक्ष उदय नारायण चौधरी देलथि। एहि मौका पर राष्ट्रपति कए एकटा स्मृति चिह्न् सेहो भेंट कैल गेल। एहि स पूर्व राष्ट्रपति विशेष विमान स पटना हवाईअड्डा पर पहुंचलथि जाहि ठाम राज्यपाल आ मुख्यमंत्री सहित कई गोटे हुनकर स्वागत केलक।

Tags: Bihar
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

आब कमजोर वर्ग क लेल सेहो स्वास्थ्य बीमा योजना

सब कियो बिहार क अनदेखी केलक: नीतीश

संसद परिसर मे उठल बिहार लेल आवाज

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि