• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

देश-दुनिया क चुनिंदा पुलिस अकादमी मे होएत राजगीर क पुलिस ट्रेनिंग एकेडमी

July 25, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

प्रीतिलता मल्लिक
पटना ।
ढील वरदी, मोट चरबी। बिहार पुलिस क इ लुक आब शायद नहि भेटत। राज्य सरकार पुलिसकर्मी लेल बेहतर ट्रेनिंग क व्‍यवस्‍था करि लेलक अछि। आब नीक माहौल मे हुनकर स्कूलिंग होएत। एकरा लेल हाइ वालिटी ट्रेनिंग सेंटर क निर्माण भ रहल अछि। 136 एकड़ मे राजगीर मे पुलिस अकादमी तेजी स बनि रहल अछि। लागत 206 करोड़ अछि। ढाई साल मे इ बनि कए तैयार भ जाएत। चार किलोमीटर मे अकादमी क चहारदीवारी बनि चुकल अछि। देश-दुनिया क चुनिंदा पुलिस अकादमी मे स इ एकटा होएत। राजधानी स एकर दूरी केवल 90 किलोमीटर अछि। राजगीर-छबीलापुर सड़क पर एक कात पुलिस अकादमी बनि रहल अछि त दोसर कात नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क विशाल परिसर तैयार भ रहल अछि। सितंबर स मुख्य भवन क निर्माण शुरू होएत। सीपी कुकरतो कए कंसल्टेंट छथि। कैंपस क 90 प्रतिशत भाग खुलल रहत आ मात्र 10 फ़ीसदी एरिया मे निर्माण होएत। एहि ठाम तीस प्रतिशत बिजली गैर पारंपरिक स्रोत स उत्पादित होएत। एहन मे जतए जेतबा बिजली क जरूरत होएत, ओहि स तीस फ़ीसदी कम मे काज चलि जाएत। भवन एहन बनाउल जा रहल अछि जाहि मे भीतर क तापमान बाहरी तापमान स कम-स-कम 10 डिग्री सेल्सियस कम रहत। वर्षा भेला पर एक बूंद पानी कैंपस मे नहि ठहरत। कोल डस्ट आ सीमेंट मिश्रित ईंट क उपयोग भ रहल अछि। भारत सरकार क ग्रीन रेटिंग फ़ार इंटीग्रेटेड हैबिटेट एसेसमेंट (ग्रिहा) एकरा फ़ाइव स्टार ग्रेडिंग केलक अछि। देश क 15 टॉप ग्रीन बिल्डिंग मे एहि अकादमी क भवन सेहो होएत। एकर संगहि एहि ठाम अंतरराष्ट्रीय स्तर क कन्वेंशन, खेल प्रतियोगिता आ सेमिनार करेबा लेल विश्‍वस्‍तरक व्‍यवस्‍था होएत। अकादमी मे एकटा मुख्य भवन क संग संग एक हजार पुलिस अधिकारी क बैसबा योग्‍य क्लास रूम, ऑडिटोरियम, गेस्ट हाउस सेहो होएत। कैंपस मे दू टा पैघ स्टेडियम, दू टा परेड ग्राउंड, इनडोर आ आउटडोर फ़ायरिंग रेंज, मोटर ट्रांसपोर्ट, घुड़सवारी क सुविधा सेहो होएत। कैंपस मे 15 सौ लोकक क्षमता वाला छात्रावास, अस्पताल, कर्मी क बच्‍चा लेल स्कूल, श्वान दस्ता, जीप ड्राइविंग आ यातायात क ट्रेनिंग सुविधा सेहो होएत। राजगीर पुलिस अकादमी मे नवनियुक्त दारोगा स ल कए नव आइपीएस अधिकारी कए ट्रेनिंग क सुविधा होएत। सिपाही-हवलदार कए सेहो डयूटी क दौरान देल जाइवाला ट्रेनिंग एहि अकादमी मे देल जा सकत। ट्रैफ़िक पुलिस कए सेहो प्रशिक्षण देल जाएत।

Tags: Biharrajgirराजगीर
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

राजगीर मे सोना क भंडार हेबाक संकेत

बदलत इब्राहिम खां मकबरा क सूरत

दरभंगा आ मोतिहारी मे खुलत वी मार्ट क चेन

Comments 1

  1. dayakant says:
    12 years ago

    bahut khusi ke baat sanghi nitish jee ke sayad (PCR) Patna aur aas-paas ke shetrak siwa aur sayad kicchu nahi dekhay parait chhain. hunka lel sayad Biharak matalab (PCR) me manukha raith achhi banki jagah janwar sabhak waas chhaik.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि