• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

ध्रुपद कए बचेबा मे नहि बल्कि आगू बढेबा मे लागल छी : प्रशांत मल्लिक

October 22, 2011
in समाचार, साक्षात्‍कार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter


विश्व प्रसिद्ध दरभंगा घराना क सब स होनहार युवा कलाकार प्रशांत कुमार मल्लिक क प्रतिभा ककरो स नुकायल नहि अछि। 10 मार्च 1982 कए जन्‍मल प्रशांत दरभंगा घरानाक 13वीं पीढी छथि। प्रख्‍यात गायक विदुर मल्लिक क पौत्र आ प्रेमकुमार मल्लिक क पुत्र प्रशांत मल्लिक ध्रुपद गायन क क्षेत्र मे अपन प्रतिभा क लोहा देश-विदेश मे मनबा चुकल छथि आ हिनकर गायन शैली मे दरभंगा घरानाक स्‍पष्‍ट छाप दिखाई दैत अछि। एहि सप्‍ताह आकाशवाणी स ‘ए’ श्रेणी क गायक हेबाक सम्‍मान प्राप्‍त केनिहार एहि युवा गायक स इसमाद लेल सुनील कुमार झा आ नीलू कुमारी लंबा चर्च केलथि। प्रस्‍तुत अछि ओकर किछु अंश:-

प्रश्न – नमस्‍कार
उत्तर – नमस्‍कार

प्रश्न – सबसे पहिने आकाशवाणी आ दूरदर्शन द्वारा ‘ए’ श्रेणी क गायक हेबाक सम्‍मान प्राप्‍त करबा लेल बधाई।
उत्तर – इससम्‍मान अहां सबहक प्रेम आ गुरुजनक आशिष स प्राप्‍त भेल अछि।

प्रश्न – एतबा कम बैस मे ‘ए’ श्रेणीक कलाकार बनबा पर केहन लागी रहल अछि।
उत्तर – निश्चित रूप स इ एकटा पैघ उपलब्धि छी। हमर परिवार मे एहन पंडित अभय नारायण मल्लिक आ प्रेम कुमार मलिक सर्वोच्‍च श्रेणीक कलाकार छथि। अभय जी आब बेसी नहि गबैत छथि एहन मे हमर पिता प्रेम कुमार मल्लिक क बाद हम आ निशांत ‘ए’ श्रेणीक गायक घोषित भेलहुं अछि। महज 24 सालक हमर भाई ए सम्‍मान प्राप्‍त केनिहार सबस युवा गायक अछि। एकर अलावा हमर परिवार क चाचा रामकुमार मल्लिक आ भाई सुमित आ बहिन प्रियंका कए ‘बी हाइ’ श्रेणी प्राप्‍त अछि।

प्रश्न – संगीत क एहि प्राचीन विधा क जेकर आब बहुत कम कलाकार अछि, ओहि मे अपना कए देखि केहन महसूस करैत छी।
उत्तर – सच कहू त बहुत गौरवान्वित महसूस करैतछी, जखन पता चलैत अछि जे एहि गायन शैलीक आब आंगुर पर गिनल कलाकार छथि त दुख सेहो होइत अछि आ गर्व सेहो होइत अछि। दुख गायकक अभाव देख कए आ गर्व इ सोचि कए जे हम ओहि चंद गायक मे छी जे एकरा बचेबा मे लागल अछि।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

प्रश्न – आइ जखन अधिकतर युवा पॉप आरैप गायन दिस जा रहल अछि तखन अहां शास्‍त्रीय गयन सेहो मे ख्‍याल नहि ध्रुपद गायन दिस एलहुं।
उत्तर – नहि शायद अहां गलत कहि रहल छी, एखनो लोक जखन पॉप आ रैप स आजिज आबि जाइत अछि त एहि प्राचीन विधा मे डूबबा लेल आतुर रहैत अछि। शोर एहि कदर व्याप्त भ गेल अछि जे लोक कए शांति क तलाश मे एहि दिस आयब मजबूरी भ गेल अछि। ओनाओ इ हमर पुश्तैनी कला छी आ हम एकरा बचेबा मे नहि बल्कि आगू बढेबा मे लागल छी।

प्रश्न – अपन संगीत शिक्षा क संबंध मे किछु बताउ।
उत्तर – संगीत क शिक्षा त नैनपन स भेटब शुरू भ गेल छल। हम अपन प्रारंभिक संगीत अपन पापा आ गुरु पंडित प्रेम कुमार मल्लिक स सीखल, किछु दिन दादाजी आ ध्रुपद उस्ताद पंडित विधुर मल्लिक स सीखबाक सेहो सौभाग्‍य प्राप्‍त भेल अछि।

प्रश्न – अहां कए राष्ट्रपति पुरस्कार सेहो काफी कम बेस मे भेटल अछि।
उत्तर – हां, आल इंडिया रेडियो संगीत प्रतियोगिता 2001 मे हमरा राष्ट्रपति क हाथ स गोल्ड
मेडल भेटल छल।

प्रश्न – अहां कए ‘सुरमनि’ क सरनेम सेहो भेटल अछि।
उत्तर – जी, एकटा नीक अनुभव अछि, सुर श्रंगार समसद मुंबई मे भेल
कार्यक्रम क दौरान हमरा इ उपनाम देल गेल।

प्रश्न – छोट सन बैस मे अहां कए काफी पुरस्‍कार आ सम्‍मान भेटल, ओहि मे स किछु खास खास पुरस्कार
क संबंध मे बताउ।
उत्तर – संगीत नाटक अकादमी लखनऊ 2001 मे हमरा प्रथम पुरष्कार
देलक, ओकर बाद उत्तर मध्य क्षेत्र सांस्कृतिक केन्द्र (NCZCC, भारत
सरकार) द्वारा प्रतिभा उत्सव 2001 मे युवा होनहार ‘ध्रुपद गायक’ क
पुरस्‍कार भेटल। 1999-2000 मे नोर्थ अमेरिकन ध्रुपद एसोसिएशन (नाडा) USA
‘युवा अग्रणी ध्रुपद गायक’ क सम्मान स सम्मानित केलक आ भारत
सरकार क संस्कृति मंत्रालय सेहो वर्ष 2003-04 लेल हमरा राष्ट्रीय छात्रवृति प्रदान केलक।

प्रश्न – संगीत क ज्ञान त अहां घर मे प्राप्‍त केलहुं मुदा एहि लेल कोनो शैक्षणिक पहल कैल।
उत्तर – निश्चित, हम प्रयाग संगीत समिति इलाहबाद स वर्ष 2003 मे
संगीत प्रभाकर ( बैचलर ऑफ़ म्यूजिक) आ 2006 मे संगीत प्रवीण ( मास्टर ऑफ़
म्यूजिक) मे प्रथम श्रेणी प्राप्‍त केलहुं। संगीत सिक्षा क बाद हम कनि व्‍यावसायिक शिक्षा दिस गेलहुं आ हम इंटरनॅशनल स्कूल ऑफ़ बिजनेस
एंड मिडिया (ISB&M) पुणे स एम्.बी.ए केलहुं एखन ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा स पीएचडी करि रहल छी।

प्रश्न – अहां संगीत कए कॅरियर बनेलहुं, की आजुक तारीख मे ध्रुपद गायन स जीविकोपार्जन भ सकैत अछि।
उत्तर – जनाब, जमाना बदलि गेल अछि। संगीत आब मात्र शौक क वस्तु नहि अछि अपितु इ एकटा नीक कॅरियर क रूप मे सेहो उभरि रहल अछि। ओना संगीत हमर जीविकोपार्जन लेल काफी अछि। मैं आल इण्डिया रेडियो आ टेलीविजन मे नियमित रूप स अपन कर्यक्रम दैत छी आ जर्मनीक एकटा विश्‍वविद्यालय लेल सेहो सलाहकार शिक्षकक रूप मे काज कए रहल छी। देश विदेश मे कैल कार्यक्रम स सेहो किछु अर्जन भ जाइत अछि।

प्रश्न – सुनल जे अहांक अगिला मास जर्मनी मे एकटा अलबम रिलीज भ रहल अछि।
उत्तर – जी, गप दरअसल इ अछि जे जर्मनी मे हम सबस बेसी प्रस्‍तुति देने छी। भारत स बेसी हमर प्रशंसक जर्मनी मे भ गेलथि अछि… एहि लेल ओहि ठाम हमर कई टा एलबम निकलि चुकल अछि। जाहि एल्बम मे इन पेरिस ऑफ़ गोड़ेस, गोड़ेस डिवाइन इनर्जी आ मेडिटेशन मंत्रा प्रमुख
अछि।

प्रश्न – अहां एखन धरि कईटा प्रस्‍तुति द चुकल छी, किछु अविस्मर्णीय मंचन क बारे मे बताउ।
उत्तर – हमर देश आ विदेश मे बहुत प्रस्‍तुति भ चुकल अछि मुदा किछु प्रस्‍तुति हमरा जीवन भरि याद रहत जाहि मे स किछु कहां कए बता रहल छी-
विदेश में
• द लिज़ार्ड वर्ल्ड म्यूजिक फेस्टिवल, लन्दन – 1999 (ब्रिटेन)
• योग सेंटर म्यूजिक कंसर्ट, बर्लिन – 2003 (जर्मनी)
• मेक्स मुलर भवन कंसर्ट , बर्लिन- 2003 (जर्मनी)
• इंडियन कौंसिल फॉर कल्चर रिलेशन फेस्टिवल- बर्लिन 2003 (जर्मनी),
• SFB कंसर्ट प्रोग्राम, बर्लिन, COLOGNE- 2005 (जर्मनी)
• वर्ल्ड वर्ल्ड म्यूजिक फेस्टिवल, स्टिमेन म्यूजिक फेस्टिवल- बसल 2005
(स्विट्जरलैंड),
• क्लासीकल इंडियन ध्रुपद कंसर्ट, विन्तेरथुर, जुरिच- 2005
• दक्षिण एशिया संगीत महोत्‍सव, Leicester – 2007 (ब्रिटेन)
• विश्‍व संगीत महोत्‍सव, पेरिस – 2009 (फ्रांस)
• इंडो जर्मन सोसाइटी महोत्‍सव, बर्लिन – 2010 (जर्मनी)
• विश्‍व संगीत महोत्‍सव, वारसुलोना – 2010 (स्‍पेन)

देश मे …
• सप्तक संगीत समारोह- अहमदाबाद
• ध्रुपद मेला – वाराणसी
• नेशनल आल इंडिया रेडियो, यूथ फेस्टिवल – न्यू डेल्ही
• ITC यूथ फेस्टिवल, NCPA – मुंबई
• संगीत नाटक अकादमी फेस्टिवल- संगीत प्रतिभा उत्सव – ग्वालियर
• तानसेन संगीत समारोह – ग्वालियर
• ध्रुपद समारोह – ध्रुपद सोसाइटी फेस्टिवल – न्यू डेल्ही
• मेक्स मुलर भवन कंसर्ट – न्यू डेल्ही, मुंबई
• ध्रुपद समारोह – मथुरा
• स्वामी हरिदास संगीत समारोह – वृन्दाबन
• ज्ञान मंडल संगीत समारोह – पुणे
• प्रतिभा उत्सव,NCZCC फेस्टिवल – अल्लाहाबाद
• उस्ताद जिया मोहिउद्दीन डागर स्मृति समारोह – मुंबई
• लखनऊ महोत्सव – लखनऊ
• सुर श्रंगार संगीत समसाद म्यूजिक फेस्टिवल- मुंबई
• विन्ध महोत्सव – विन्ध्याचल

प्रश्न – इसमाद स गप करबा लेल धन्यवाद।
उत्तर – अहूं दूनू गोटे कए बहुत बहुत धन्यवाद।

Tags: darbhanga
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बाढ नियंत्रण लेल कंप्यूटर प्रतिरूप क अध्ययन जरूरी : टॉम

Esamaad Epaper Website

बिहार क यात्री कए लूटि रहल अछि विमान कंपनी

विशेष राज्‍यक दर्जा बिहारक हक छी : नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिजली क ग्रिड फेल, सरकार पास!

by संपादक
August 7, 2012
0
Esamaad Epaper Website

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि