• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

नक्सलवाद क धरती पर रोपल जा रहल अछि विकास क गाछ

May 10, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

औरंगाबाद। आइ स चारि साल पहिने इ समाद देने रही जे जहानाबाद मे माओ नहि मैकाले क धूम अछि, आइ इ समाद कहबा लेल तैयार छी जे नक्‍सलवाद क धरती पर विकासक गाछ रोपन शुरू भ गेल अछि। औरंगाबाद क धरती पर विकास क शुरू भेल क्रांति आगू क बाट सेहो तय करत आ एहि क्रांति स एक दिन अनहार बिहार मे ईजोत होएत। पिछला साल एनटीपीसी आ रेलवे क संयुक्त उपक्रम स नवीनगर क घिरसिंडी मे बिजली परियोजना क निर्माण शुरू भेल, त रविदिन स बारुण प्रखंड क मेंह गाम स एनटीपीसी आ बिहार सरकार क संयुक्त उपक्रम स बनैएवाला बिजली परियोजना क काज सेहो शुरू भ गेल। बीआरबीसीएल क एक हजार मेगावाट बिजली परियोजना स 2012 तक बिजली उत्पादन क लक्ष्य राखल गेल अछि। 250गुणा 4 यूनिट क इ परियोजना लगभग पांच हजार करोड़ क लागत स तैयार होएत। एहि परियोजना क आवासीय परिसर आ चहारदीवारी क निर्माण कराउल जा रहल अछि। लगभग 1500 एकड़ मे एहि परियोजना क निर्माण भ रहल अछि। दोस सबस पैघ एनपीजीसी बिजली परियोजना स 2015 तक प्रथम यूनिट स बिजली उत्पादन क लक्ष्य राखल गेल अछि। परियोजना क मुख्य कार्यपालक पदाधिकारी तूफानी राम क अनुसार प्रथम चरण मे 1980 मेगावाट क उत्पादन शुरू होएत। एकर बाद दोसर चरण मे 1320 मेगावाट बिजली उत्पादित होएत। एहि परियोजना क निर्माण स न केवल बिहार मे बिजली संकट कम होएत बल्कि विकास क कईटा आयाम सेहो जुडत। पैघ आ छोट कईटा उद्योग एहि इलाकाक आसपास लागत आ बेरोजगार कए प्रत्‍यक्ष आ अप्रत्‍यक्ष रूप स रोजगार भेटत। परियोजना क एजीएम ओपी शर्मा क कहब अछि जे परियोजना पर लगभग 15 हजार करोड़ खर्च आबि रहल अछि। एहि परियोजना क निर्माण मे दुनिया क सबसे नव तकनीक सुपर क्रिटिकल टेक्नोलाजी क प्रयोग कैल जा रहल अछि जे पर्यावरण संरक्षण क अनुकूल अछि। परियोजना क निर्माण स इ जिला न केवल औद्योगिक हब बनत, बल्कि विकास क नव क्रांति क अगुआ सेहो बनि जाएत। डीएम अभय कुमार सिंह कहला जे परियोजना निर्माण क लेल 2832 एकड़ जमीन अधिग्रहित करबाक अछि। जाहि मे स 1871 एकड़ जमीन एनटीपीसी कए द देल गेल अछि। परियोजना क निर्माण सुचारू रूप स चलि रहल अछि, एना चलैत रहै त 2015 इ जिला लेल एतिहासिक वर्ष होएत आ एहि ठाम स जनमल रोशनी स पूरा बिहार मे ईजोत होएत। आइ राज्य मे जेना बिजली क संकट अछि एहन हालात मे इ परियोजना असगर बिहार कए मांग क अनुरूप बिजली देबा मे सक्षम भ जाएत। संगहि एहि ठामक लोग कए रोजगार सेहो भेटत।

Tags: Biharऔरंगाबाद
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

पटना मे भूमिगत बिजली वितरणक पहिल फेज पूरा

Esamaad Epaper Website

पटना मे रिंग बस सेवा 15 स

Esamaad Epaper Website

लोक सेवा आयोग में मैथिलीक शानदार उपलब्धि

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि