पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे राज्य बाढ़ नियंत्रण परिषद क 48म बैठक भेल जाहि मे बाढ़ नियंत्रण स जुडल कईटा योजना पर मुहर लागल। मुख्यमंत्री अधिकारी स कहला जे ओ राज्य क भीतर नदी कए जोड़बा क योजना कए प्राथमिकता क आधार पर कार्यान्वित करथि। बैठक क बाद जल संसाधन विभाग क प्रधान सचिव अफजल अमानुल्लाह कहला जे कईटा नव योजना कए अनुमोदन सेहो देल गेल अछि। 5714.76 लाख क लागत स गोपालगंज जिला क सेमरिया ब्रीच क्लोजर 2.10 किमी मे रिवेटमेंट, तीन स्पर क निर्माण आ 6.50 किमी मे ड्रेजिंग क काज सेहो एहि मे शामिल अछि। एकर अलावा 3007.19 लाख क लागत स आरा आ बक्सर जिला स्थित एक सौ किमी क लंबाई मे गंगा तटबंध क सुदृढ़ीकरण कए अनुमति देल गेल अछि। गंगा बेसिन बाढ़ सुरक्षात्मक कार्य योजना क तहत 6354.42 लाख क योजना कए सेहो अनुमोदन प्रदान कैल गेल। एकर तहत पटना जिला क कासिमचक मेे 1.30 किमी क लंबाई मे रिवेटमेंट कार्य, महावीर घाट स टेढ़ी घाट आ बख्तियारपुर क समीप रामनगरी दियारा मे सुरक्षात्मक काज हेबाक अछि। सारण जिला क मथुरा पुल आमी मे सुरक्षात्मक कार्य, भागलपुर जिला स्थित विक्रमशिला पुल क डाउनस्ट्रीम मे इस्माइलपुर स बिंदटोली तक सुरक्षात्मक कार्य, खगड़िया मे गोगरी-नाराणपुर तटबंध क सुरक्षात्मक कार्य, बगूसराय जिला क गुप्ता लखमीनिया आ सनहा गुड़गावा मे सुरक्षात्मक कार्य कए सेहो बाढ़ नियंत्रण परिषद क मंजूरी भेटल अछि।