• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

नदी जोड परियोजना मे आगू बढल बिहार

November 13, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । नदी जोड परियोजना पर बिहार सरकार एक डेग आर आगू बढि गेल अछि। सरकार नदी कए जोडबाक नीटटा परियोजना पर काज कए रहल अछि इ समाद अहां सब कए पहिने भेट चुकल अछि। नव समाद इ अछि जे एहि तीनू परियोजना क विस्तृत परियोजना प्रतिवेदन (डीपीआर) केंद्रीय जल आयोग कए पठा देल गेल अछि। स्वीकृति भेटलाक बाद राशि लेल योजना आयोग कए प्रस्ताव पठाउल जाएत। नदी जोड़ क तीनटा अन्य परियोजना क डीपीआर अंतिम चरण मे अछि। शेष क सर्वे लेल केंद्रीय जल विकास प्राधिकार ग्लोबल टेंडर केलक अछि। योजना क मूर्त रूप देबा पर पैघ हिस्‍सा मे सिंचाई क सुविधा उपलब्ध होएत आ सब साल बाढ़ स होइवाला व्यापक क्षति कए कम कैल जा सकत। जल संसाधन विभाग क अनुसार केंद्रीय जल आयोग क सहमति क बाद राशि क मसला पर विचार कैल जाएत। योजना क संभाव्यता पर आयोग क विशेषज्ञ छानबीन करि रहल छथि। एहि योजना मे बकसोती बराज स्कीम क तहत सकरी आ नाटा नदी कए सबस पहिने जोडल जाएत। अन्य योजना क तहत गंडक नदी पर अरेराज लग दोसर बैराज क निर्माण कैल जाएत। एकरा तिरहुत नहर प्रणाली स जोड़ल जाएत। एहि पर करीब 2000 करोड़ खर्च क अनुमान अछि। तहिना बागमती सिंचाई आ जल निकासी योजना क तहत नेपाल सीमा क समीप ढेंग मे बैराज आ नहर प्रणाली क निर्माण होएत। योजना पर 1300 करोड़ खर्च अनुमानित अछि। जल संसाधन विभाग द्वारा तीनू योजना कए उपयोगी मानल गेल अछि।
दोसर दिस मोकामा टाल स जल निकासी आ आर्थिक विकास क योजना मे जमीनदारी बांध क जीर्णोद्धार आ पईन निर्माण क योजना पूरा भ गेल अछि। एहन मे नालंदा आ नवादा स सटल स्थान पर वीयर निर्माण क योजना अछि। एहि स टाल क्षेत्र मे छोट-छोट नदी क बहाव रोकल जा सकत। एहि स ऊपरी क्षेत्र मे सिंचाई उपलब्ध भ सकत। नदी जोड़ क तीनटा आर योजना क डीपीआर तैयार करबाक जिम्मा केंद्रीय जल विकास प्राधिकार कए भेटल अछि जे अंतिम चरण मे अछि। एहि योजना मे बूढ़ी गंडक नोन वाया गंगा लिंक, कोसी (बागमती) गंगा लिंक आ कोसी-मेची लिंक शामिल अछि।

Tags: Biharroad
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

विश्व बैंक बनाउत बिहार सातटा एनएच

Esamaad Epaper Website

सेना मे माओवादी लडाका कए शामिल करबाक प्रस्‍ताव पारित

मैथिली मे छपल नेताजी क जिनगी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि