पटना । बिहार सरकार सूचना कानूनक तहत कॉल सेंटर खोली कए जे इतिहास रचने छल, तकरा फेर दोहरा देलक। नरेगा मे व्याप्त भ्रष्टïाचार पर लगाम लगेबाक उद्देश्य स बिहार सरकार नरेगा कर्मी लेल राज्य स्तर पर कॉल सेंटर खोलबाक निर्णय ल कए फेर देश मे अगुआ भ गेल । देश मे इ अपन तरहक पहिल कॉल सेंटर अछि। सरकारक कहब छैक जे एहि स नरेगा मे बिचौलिया क भूमिका खत्म करबा मे सफलता भेटत। एहि संबंध मे बिहार सरकारक एकटा पैघ पदाधिकारीक कहब अछि जे इ कॉल सेंटर गाम मे चली रहल विभिन्न योजनाक तहत भ रहल काजक सेहो जानकारी देत। जाहि स अकुशल कर्मी कए ठगबाक धंधा पर लगाम लागत। एहि स पूर्व मुख्यमंत्री नरेगा मे व्याप्त भ्रष्टïाचार कए खत्म करबा लेल ई-शक्ति कार्ड योजनाक शुरुआत केने छलाह। जेकर माध्यम स करीब दस लाख नरेगा लाभार्थी कए सूचीबद्घ करबा लेल समार्थ टेक्नो लिमिटेड कए जिम्मा सौंपल गेल छल। समार्थ टेक्नो लिमिटेड क बिहारक निदेशक बीके मिश्रक अनुसार योजनाक पहिल चरण मे पटनाक जिलाक 23 ब्लॉक क 1300गामक 10लाख लोक कए इ-शक्ति कार्ड उपलब्ध कराउल जाइत। जाहि स ओकर मेहनतक पाई ओकरा सीधा भेट सकत।