• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

नहि बदलत दरभंगा लेन क नाम : शीला दीक्षित

March 20, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

नई दिल्ली। दिल्‍लीक मुख्‍यमंत्री शीला दीक्षित कहलथि अछि जे राज्‍य सरकार राजधानी क मानसिंह रोड आ अकबर रोड क बीच स्थित दरभंगा लेन क नाम बदलबाक कोनो योजना पर विचार नहि क रहल अछि। ओ कहलथि अछि जे अकबर रोड स्थित दरभंगा लेनक नामपटटी एक बेर फेर देखबा लेल भेटत। दिल्ली मे मिथिला क युवा क संगठन यूथ आफ मिथिला (वाईओएम) क अध्यक्ष भवेश नंदन झा क नेतृत्‍व मे मंगलदिन संस्था क एकटा प्रतिनिधिमंडल दिल्ली क मुख्यमंत्री शीला दीक्षित स भेंट केलक। प्रतिनिधिमंडल मुख्‍यमंत्री शीला दीक्षित स नामपटटी हटेबा पर आपत्ति दर्ज करैत कहलक जे पिछला किछु मास पहिने जेना नाम पट्टिका हटाउल गेल ओहि स आशंका पैदा भ रहल अछि जे सरकार एहि लेनक नाम बदलबाक योजना बना रहल अछि। श्री नंदन मुख्‍यमंत्री स मांग केलथि जे दरभंगा लेन क नाम पट्टिका जल्द ओहि स्थान पर लगा देल जाए ताकि मिथिला क लोक आश्वस्त भ सकए। एहि पर मुख्‍यमंत्री आश्‍वासन देलथि जे दरभंगा लेन क नाम कोनो हाल मे नहि बदलल जाएत आओर ओतए स हटाउल गेल नामपटटी सेहो जल्‍द लगा देल जाएत। संस्‍था द्वारा देल गेल ज्ञापन कए मुख्‍यमंत्री उचित कार्रवाई लेल नई दिल्ली नगरपालिका परिषद (एनडीएमसी) कए पठा देलथि अछि। वाईओएम क अध्‍यक्ष श्री नंदन कहला जे नई दिल्ली नगरपालिका परिषद अधिकारी एकरा एकटा गंभीर चूक मानैत एक मास क भीतर एक बेर फेर स नामपटटी लगा देबाक गप कहलथि अछि। मुख्‍यमंत्री स भेंट करबा लेल गेल प्रतिनिधिमंडल में भवेश नंदनक अलावा अमिताभ भूषण (सचिव), कमलेश किशोर (उपाध्यक्ष), आमिर खुसरू, कुंदन झा समेत करीब दर्जन भरि सदस्‍य गेल छलाह। उम्‍मीद कैल जाए जे दिल्‍लीक अकबर रोड पर जल्‍द दरभंगा लेनक नामपटटी एक बेर फेर देखबा लेल भेटत। ज्ञात हुए जे कामनवेल्‍थ गेम लेल सौंदर्यीकरणक नाम पर अकबर रोड स्थित कांग्रेस मुख्‍यालय क सामने स दरभंगा लेन क नामपटटी हटा देल गेल छल। जाहि दिस सबस पहिने इसमाद क ध्‍यान गेल छल आ तहिया स विभिन्‍न संगठन एकर विरोध क रहल अछि।

Tags: Bihardarbhangadelhi
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बाढ थर्मल स उत्‍पादित आधा बिजली बिहार कए भेटत : शिंदे

Esamaad Epaper Website

दिल्‍ली मे शुरू भेल मिथिली महोत्‍सव

नव कनिया सन सजल दरभंगा

Comments 3

  1. prakash kumar jha says:
    11 years ago

    Mithilak lok sabh ke ehina jagruk rahab avasyak.

    Reply
  2. atuleshwar jha says:
    11 years ago

    दिल्लीमे तँ हम मैथिल अपन हक पाबि जाइत छी मुदा बिहार गीतमे मिथिलाक जे उपेक्षा कयल गेल छल ओहि विषय पर माननीय मुख्यमंत्री की कएलन्हि से समाचार अखनि धरि बुझि पाओल कि हमरा लोकनिकें सुशासन बाबु ठकि लेलन्हि कि अधिकार देलन्हि।

    Reply
  3. atuleshwar jha says:
    11 years ago

    दिल्लीमे तँ हम मैथिल अपन हक पाबि जाइत छी मुदा बिहार गीतमे मिथिलाक जे उपेक्षा कयल गेल छल ओहि विषय पर माननीय मुख्यमंत्री की कएलन्हि से समाचार अखनि धरि बुझि नहि पाओल कि हमरा लोकनिकें सुशासन बाबु ठकि लेलन्हि कि अधिकार देलन्हि।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि