पटना । सर्वोच्च न्यायालय क निर्देश क अनुपालन मे प्राथमिक विद्यालय मे सहायक शिक्षक क पद पर 34,540 शिक्षक क नियुक्ति प्रशिक्षण क वरीयता क आधार पर होएत, एकरा लेल कोनो लिखित परीक्षा नहि लेल जाइत। मानव संसाधन विकास विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह कहला जे एकटा हिंदी दैनिक मे इ खबर प्रकाशित भेल छल, जाहि स अनावश्यक रूप स भ्रम फैल गेल छल। ओ स्पष्ट केला जे विभाग जे प्रस्ताव कैबिनेट क मंजूरी क लेल पठेलक छल ओहि मे कहल गेल छल जे नियुक्ति पैनल तैयार करबा लेल विभाग एकटा सेल गठित करत। इ पूछला पर जे नियुक्ति कहिया धरि मुमकिन भ सकत, प्रधान सचिव कहला जे नियुक्ति नियमावली बनि चुकल अछि। आब विज्ञापन निकलत। एहि प्रक्रिया क सरकार सर्वोच्च न्यायालय कए जल्द जानकारी देत।