• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

नालंदाक बाद आब विक्रमशिला पर ध्यान, संरक्षित होएत धरोहर

November 9, 2010
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

भागलपुर। बिहार सरकार नालंदाक बाद आब प्राचीन विक्रमशिला पर ध्यान केंद्रित केलक अछि। सरकार द्वारा कहलगांव स्थित प्राचीन विक्रमशिला विश्वविद्यालय क धरोहर कए संरक्षित रखबा लेल विस्तृत परियोजना रिपोर्ट तैयार करि लेल गेल अछि। एतबे नहि एहि रिपोर्ट कए दिल्ली स्थित भारतीय पुरातत्व सर्वेक्षण विभाग क महानिदेशक कए पठा देल गेल अछि। संरक्षण पर करीब 50 लाख टका खर्च हेबाक अछि। छठ पर्व क बाद कोलकाता स वास्तुविद आ सलाहकार औताह आ स्थल क भौतिक निरीक्षण करताह। अधीक्षण पुरातत्वविद् डॉ. संजय कुमार मंजूल क अनुसार प्राचीन स्मारक कए संरक्षित करबाक दायित्व हुनकर विभाग क अछि। एहि कड़ी मे विभाग प्राचीन विक्रमशिला विश्वविद्यालय क धरोहर कए संरक्षित करबाक कार्य शुरू करि देलक अछि। छोट बजट क काज त शुरू भ चुकल अछि, मुदा विस्तृत काज हेबाक अछि। गत वर्ष एएसआई क महानिदेशक केएन श्रीवास्तव साइट देखिकए गेल छलाह। मुख्य स्तूप क संरक्षण क काज पिछला दू माह स चलि रहल अछि। जतए-जतए नोनी लागल छल, ओकरा ठीक कैल जा रहल अछि। जरूरत क मुताबिक आहि ठाम ओहि साइज क ईंट लगाउल जा रहल अछि। डॉ. मंजूल कहला जे महानिदेशक क भागलपुर दौरा क बाद संरक्षण क काज मे तेजी आएल अछि। दोसर दिस विक्रमशिला क धरोहर राष्ट्रीय-अंतरराष्ट्रीय मानचित्र पर त अछि, मुदा विदेशी पर्यटक लेल एहि ठाम एखन धरि समुचित सुविधा उपलब्ध नहि अछि। मालूम हुए जे विक्रमशिला क धरोहर कए संरक्षित करबाक जिम्मेदारी भारत सरकार क अछि। जखन कि एहि ठाम समुचित सुविधाक व्यवस्था करब राज्य सरकारक काज अछि। स्थानीय सांसद शाहनवाज हुसैन द्वारा विक्रमशिला विश्वविद्यालय क संरक्षण पर लगातार आवाज उठेलाक बाद केंद्र एएसआई क महानिदेशक केएन श्रीवास्तव क नेतृत्व मे एकटा दल कए एहि ठाम पठेने छल। महानिदेशक पटना स्थित अधीक्षण पुरातत्वविद् कए विस्तृत प्राक्कलन बनेबा लेल कहने छलाह। रिपोर्ट तैयार भ गेल आ दिल्ली चल गेल।
दोसर दिस शाहकुंड स्थित खीरी पहाड़ी आ कहलगांव स्थित मोहम्मद शाह क मकबरा कए सेहो विकसित करबा लेल प्राक्कलन तैयार कैल गेल अछि। जिला प्रशासन क सहयोग स दूनू स्थल कए पर्यटन स्थल क रूप मे विकसित करबाक प्रयास चलि रहल अछि। ज्ञात हुए जे पुरातत्व निदेशालय, पटना शाहकुंड स्थित खीरी पहाड़ी आ कहलगांव स्थित मोहम्मद शाह क मकबरा कए संरक्षित घोषित करि रखने अछि। एहि दूनू स्थल क ऐतिहासिक महत्व अछि। संग्रहालयाध्यक्ष श्रीकांत भगत कहैत छथि जे मोहम्मद शाह बंगाल क अंतिम मुस्लिम शासक छलाह। मुंगेर मे शेरशाह स भेल लड़ाई क बाद मोहम्मद शाह क दूनू पुत्र मारल गेलाह। तखन पुत्र वियोग मे कहलगांव मे शाह क मृत्यु भ गेल। हुनकर दूनू पुत्र क सेहो कब्र एतहि अछि। एहि कारण एकरा संरक्षित राखल गेल अछि। एकर संगहि शंभूगंज क गौरीपुर पहाड़ क पूर्ण सर्वे क प्रस्ताव अछि। शंभूगंज प्रखंड क गौरीपुर पहाड़ क शिलाखंड मे किछु एहन आकृति भेटल अछि, जेकरा संरक्षित करबाक आवश्यकता जताउज जा रहल अछि। एहि स्थल क सर्वे संग्रहालयाध्यक्ष अपने करताह। ओ अपन रिपोर्ट मे कला, संस्कृति युवा विभाग, पुरातत्व निदेशालय, पटना कए पूर्ण सर्वेक्षण क जरूरत बतेलथि अछि। अनुरोध कैल गेल अछि जे प्राकृतिक सौंदर्य क संग-संग पुरातात्विक आ ऐतिहासिक दृष्टिकोण स इ क्षेत्र महत्वपूर्ण अछि।

Tags: bhagalpurBiharVikramshila
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

पुरान लक्ष्य लेल नव स्वरूप

Esamaad Epaper Website

अन्तराष्ट्रिय मैथिली सम्मेलन काठमाण्डौ मे 22 आ 23 दिसम्बर केँ

एहि देश मे कहिया धरि मरैत रहत बिहारी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि