पटना। भारत सरकार क उपक्रम क इंजीनियरिंग प्रोजेक्ट इंडिया लिमिटेड क अध्यक्ष सह प्रबंध निदेशक (सीएमडी) एसपीएस बक्शी कहला अछि जे 125 करोड़ टका स नालंदा मे बनि रहल रेलवे वर्कशाप क उद्घाटन जनवरी मे भ जाएत। ओ इ दावा सेहो केलथि अछि जे राजगीर मे 180 करोड़ स निर्मित पुलिस एकेडमी क निर्माण कार्य सेहो जनवरी मे प्रारंभ भ जाएत आ तीस माह मे इ कार्य पूरा होएत। तख्त श्री हरिमंदिर जी पटना साहिब मे माथ झुकेबा लेल आयल बक्शी कहला जे देश-विदेश स पटना पहुंच रहल लोक लेल पटना क आसपास पैघ इंटरनेशनल एयरपोर्ट क जरूरत अछि। मौजूदा एयरपोर्ट काफी छोट अछि। ओ कहला जे बिहार सरकार पटना-नालंदा मार्ग मे चार हजार बीघा जमीन उपलब्ध करा दिए त अंतरराष्ट्रीय रनवे बनाउल जा सकैत अछि। ओ कहला जे बिहार कए विकास क जरूरत अछि। सबहक सहयोग स इ संभव अछि। लोक चाहत तखने बिहारक सीरत आ सूरत बदलत। धार्मिक स्थल क केंद्र रहल पाटलिपुत्र मे मोनो रेल चलेबाक संभावना कए देखैत ओ कहला जे जाम स मुक्ति लेल इ जरूरी अछि। श्री बक्शी कहला जे मोनो रेल क प्रस्ताव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए देल जा चुकल अछि। हम सब मोनो रेल निर्माण लेल मलेशिया क कंपनी क संग करार केने छी। बांग्लादेश आ श्रीलंका सरकार कए सेहो हम सब मोनो रेल प्रोजेक्ट सौंपलहुं अछि। मोनो रेल क एकटा डिब्बा मे 160 गोटे क बैसबाक जगह होइत अछि। बिहार मे एकर निर्माण पर 140 करोड़ टका प्रति किलोमीटर क हिसाब स आउत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर