पटना । कैबिनेट राज्य मे निजी विश्वविद्याल क स्थापना स संबंधित विधेयक क प्रस्ताव कए सेहो मंजूरी द देलक। कैबिनेट क मंजूरी क बाद आब बिहार मे निजी विश्वविद्यालय क स्थापना संभव भ जाएत। विधानमंडल क चालू सत्र मे एहि सब विधेयक कए पेश कैल जाएत। काफी दिन स एहि पर मंथन चलि रहल छल। कैबिनेट क पिछला बैसार मे सेहो एहि स संबंधित विधेयक अनबाक तैयारी छल। बताउल गेल जे निजी विश्वविद्यालय स्थापना कए सरकार मंजूरी दैत मुदा ओहि पर किछु हद तक नियंत्रण रखबाक सेहो प्रावधान कैल गेल अछि। नगर निगम एरिया मे निजी विश्वविद्यालय लेल कम स कम 5 एकड़ जमीन होएब आवश्यक अछि, जखनकि निगम क बाहर क इलाका मे कम स कम 10 एकड़ जमीन जरूरी अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर