पटना। फरवरी मे प्रस्तावित तीन दिवसीय ग्लोबल मीट क उदघाटन नेपाल क प्रधानमंत्री करताह। एहि सम्मेलन मे बिहार ब्रांड क रूप में नजरि आउत। एहि सम्मेलन मे भाग लेबा लेल दुनिया भरि स करीब एक हजार लोक बिहार आबि रहल छथि। एहि सम्मेलन क उदघाटन 17 फरवरी कए होएत आ समापन 19 फरवरी कए होएत। एहि सम्मेलन मे साक्षरता पर व्याख्यान, एनजीओ फोरम, बिहार क उत्पाद क प्रदर्शनी आ बिहार क प्रगति पर शोधकर्ता क प्रजेंटेशन होएत। एहि मे विजन आफ ए न्यू बिहार पर अपन-अपन क्षेत्र क सुविख्यात हस्ती विचार रखताह। फिलहाल राज्य सरकार क मदद स बिहार फाउंडेशन द्वारा ग्लोबल मीट क तैयारी कैल जा रहल अछि। एहि सम्मेलन मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रवासी बिहारी कए बिहार स जोडि रखबा लेल बिहार चौपाल नाम स सोशल नेटवर्किंग क सुविधा क शुभारंभ करताह। एकर माध्यम स फेसबुक क तर्ज पर प्रवासी बिहारी आब एक-दोसर स अपन भावना बांटि सकताह।