• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

नेस्कॉम क आईटी हब मानचित्र मे आयल बिहार

July 17, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

सुनील कुमार झा
नई दिल्‍ली।
जल्दहि बिहार सूचना प्रोद्यौगिकी आ आईटी क्षेत्र मे देशक अग्रणी राज्य मे शामिल होएत। एहि सपना कए साकार करबा लेल पिछला सप्‍ताह सॉफ्टवेयर आओर सेवा कंपनीक राष्ट्रीय संघ नैसकॉम क प्रतिनिधि पटना आयल छलाह। ओ बिहार सरकार संग अपन प्रोजेक्ट साझा केलथि। सूत्रक कहब अछि जे एहि बैसार मे सकारातमक गप भेल आ आइटी हब क निर्माण मे निर्णाक बढत भेटल। एही सम्बन्ध मे नैसकॉमक चेयरमेन कौंसिलक सदस्य डॉ गणेश नटराजन बिहारक उपमुख्यमंत्री आ सूचना विभागक सचिव अरुण कुमार सिंह स विस्‍तार स चर्चा केलथि अछि। नटराजनक अनुसार एखन भारत मे सॉफ्टवेरक बाज़ार 60 बिलियन डॉलर क अछि। मुदा एहि जरूरतक अनुसार संसाधन उपलब्ध नहि अछि, आ अगर अछि त ओ खाली किछु गिनल गुनल शहर मे छै। हुनकर अनुसार स अगर देखल जाए त सॉफ्टवेर उद्योग एखन भारत क खाली पाँच टा राज्य – कर्णाटक, आँध्रप्रदेश, महाराष्ट्र, तमिलनाडु, आ राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र मे अछि। ओ कहला जे हम सब सोचि रहल छी जे भारत क दोसर आ तेसर टियरक शहर मे आईटी हब विकसित कैल जाए एहि लेल हम एकटा ‘आईटी-एको सिस्टम’ क कोंसेप्ट अनलहुं अछि। ई कांसेप्ट मूल रूप स कौशल आओर सॉफ्टवेर विकासक बुनियादी ढांचाक विकासक योजना अछि।
नटराजन उपमुख्यमंत्री आ बिहारक ऑफिसरक तारीफ़ करैत कहलाह जे उपमुख्यमंत्री दिस स हमरा सबहक नीक प्रतिक्रिया भेटल अछि। ओ हमरा स आईटी उद्योग क वर्तमान स्थिति आऔर भविष्य क आवश्यकताक बारे मे जानकारी लेलथि। एकरा अलवा हमरा स खाली कार्य योजना क बारे मे पूछल गेल। हुनकर अनुसार कुशल जनशक्तिक उपलब्धता आईटी क्षेत्र मे वृद्धि कए सकैत अछि आ आईटीएस आ इंजिनीयरिंग कंपनी राज्य मे आबि सकैत अछि।
एही बैसार मे जीटीटी(ग्लोबल टैलेंट ट्रेक) क अध्यक्ष सोव्प्रिया मुखर्जी सेहो आयल छलथि। हुनकर अनुसार राज्य सरकार क संग मिलि कए हम कुशल आ प्रशिक्षित जनशक्ति क बीच एकटा पुल क काज करब। हुनकर अनुसार कोनो राज्य मे सॉफ्टवेर उद्योग क विकास लेल इ पहिल डेग होइत अछि। मुखर्जी कहलथि जे राज्यक संग मिलकए हम आकांक्षी छात्रक प्रशिक्षित करब आ भावी उद्योग क लेल तैयार करब। ओ कहलथि जे जम्मू-कश्मीर आ असम मे एहन प्रयोग काफी सफल रहल अछि आब बिहारक बारी अछि।

Tags: Biharनेस्कॉम
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

गया मे खुलल सेना क तेसर ओटीए सेंटर

Esamaad Epaper Website

एयरपोर्ट से सहो चलत एसी रिंग सेवा क बस

बिगबी अउताह बिहार, नीतीश संग देखताह आरक्षण

Comments 1

  1. Kanchan Jha says:
    11 years ago

    बिहार सरकारक और नेस्कॉम के इ प्रयास सराहनीय अछि ! हमर सबहक सपना अछि जे अप्पन गाम घर के आस पास रहैत अपन व्यवसाय क सकी अगर इ प्रयास सफल रहत त एक दिन हमरो सबहक सपना साकार होयत
    कंचन झा
    http://www.eservices-india.com

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

पटना पुस्तक मेला : मैथिली पोथीक नहि अछि पृथक स्टॉल दोषी के

by संपादक
February 14, 2017
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि