• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

पंजाब क बाद आब नोएडा मे सेहो बिहारी मजदूर क संकट

September 20, 2010
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

रोमा उत्पल झा
नई दिल्ली।
पंजाब बिहारी मजदूरक कमी स परेशान अछि, त नवीन ओखला औद्योगिक विकास प्राधिकरण (नोएडा) क छोट आओर मझोले उपक्रम (एसएमई) सेहो पर्याप्त मात्रा मे बिहारी मजदूर नहि भेब्बा स परेशान भ गेल अछि। करीब 8000 इकाइवाला इ औद्योगिक क्षेत्र कए मजदूर नहि भेट रहल अछि। एहि कारण स कारोबार प्रभावित भ रहल अछि।
नोएडा इंटरप्रेन्योर एसोसिएशन क अध्यक्ष राकेश कत्याल एकटा अखबार स गप करैत कहला जे नोएडा क औद्योगिक इकाइ पहिने स पर्याप्त बिजली आओर नीक सड़क क अभाव झेल रहल अछि, एहन मे मजदूरक कमी मुश्किल आओर बढ़ा देलक अछि।
इंडियन इंडस्ट्रीज एसोसिएशन (आईआईए) नोएड़ा चौप्टर क अध्यक्ष एनके खरबंदा क कहब अछि जे नोएडा मे बिहार स मजदूर अबैत छल, मुदा आब बिहार मे मजदूर कए स्थानीय स्तर पर काज भेटए लागल अछि। खरबंदा कहैत छथि जे महात्मा गांधी राष्ट्रीय ग्रामीण रोजगार गारंटी योजना (मनरेगा) मे काज आओर टका नीक भेटबा स मजदूर नोएडा स दूर होइत जा रहल छथि। एहि संबंध मे कत्याल क कहब अछि जे मजदूर क कमी क चलते मजदूरी मे सेहो इजाफा भेल अछि, तखनो मजदूर क भारी कमी अछि। अधिकतर कंपनीक गेट पर मजदूरक आवष्यकता संबंधी विज्ञापन टांगल अछि। कत्याल क मुताबिक दिल्ली मे राष्ट्रमंडल क कारण मजदूर क संकट आओर गहरा गेल अछि। संगहि बिहार मे खेती आ त्योहारक संग-संग चुनावक समय भेला स मजदूर कम आबि रहल छथि। खरबंदा कहला जे दिल्ली मे पसरल बीमारी क कारण सेहो इकाइ मे मजदूर क कमी बढ़ि गेल अछि।
मजदूर क कमी स कारोबार मे गिरावट आबि रहल अछि। कत्याल कहला जे मजदूर क भारी कमी क कारण औद्योगिक इकाइ मे उत्पादन घटि रहल अछि। हुनकर मुताबिक एहि मास उत्पादन मे 50 फीसदी तक क गिरावट देखल जा रहल अछि। उत्पादन घटबा स ऑर्डर पूरा करबा मे दिक्कत भ रहल अछि।
खरबंदा कहैत छथि जे बिहारी मजदूरक कमी आ कमीक कारण मजदूरक बढैत डिमांड स नोएडा क कारोबारी कए नुकसान भ रहल अछि।

Tags: Biharnoidaनोएडामजदूरि‍बहार
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

जमीन-मकान क निबंधन भेल कठिन

Esamaad Epaper Website

रेडियो स्टेशन शुरू भेल, टीवी क तैयारी

Esamaad Epaper Website

खाद्य सुरक्षा मिशन मे बिहार अव्वल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि