पटना। बिहार क प्रतिभाशाली छात्र कए आब तकनीकी पढ़ाई क लेल दोसर राज्य एक मात्र विकल्प नहि रहल। राज्य मे हुनका लेल देश क सर्वाधिक प्रतिष्ठित संस्थान क परिसर क आधारशिला राखि देल गेल। केंद्रीय मानव संसाधन विकास मंत्री कपिल सिब्बल भारतीय प्रौद्योगिकी संस्थान (आईआईटी) पटना परिसर क विधित आधारशिला रखलथि। एहि मौका पर ओ कहला जे केंद्र सरकार नव ठाम खुली रहल आईआईटी क विकास क लेल दृढ़संकल्प अछि। आईआईटी-पटना परिसर राजधानी स करीब 30 किलोमीटर दूर बिहटा मे करीब 500 एकड़ भूमि पर निर्मित भ रहल अछि। आधारशीला रखबा लेल सोमवार दिन राति मे पटना पहुंचल सिब्बल कहला जे परिसर निर्माण क काज तीन साल मे पूरा भ जाएगा। एहि मौका पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे सरकार पिछला सप्ताह 463 एकड़ अधिगृह जमीन आ 500 एकड़ भूमि क दस्तावेज आईआईटी-पटना क निदेशक अनिल के. भौमिक कए सौंप देने छल। ज्ञात हुए जे आईआईटी-पटना क संचालन वर्ष 2008 स अस्थाई रूप स पोलीटेक्नीक परिसर मे भ रहल अछि। जनता आओर छात्र काफ़ी समय स राज्य मे आईआईटी क लेल अपन परिसर क उम्मीद लगेने बैसल छलाह।