पटना । 13 मार्च स शुरू भ रहल 29वां पटना पुस्तक मेला एहि साल राष्ट्रीय नहि बल्कि अंतरराष्ट्रीय दर्जा हासिल क लेलक अछि । सूत्र स भेटल जानकारी क अनुसार पटना पुसतक मेला मे एहि साल पाकिस्तान क प्रकाशक समेत करीब 400 प्रकाशक हिस्सा ल रहल छथि । 13 मार्च गांधी मैदान मे लागि रहल एहि मेला क बाट पूरा देश तकैत रहैत अछि । पढनिहार बिहार क पहचान भ चुकल एहि मेला क एहि साल मूल विषय(थीम) महिला सशक्तीकरण अछि । ओना एहि संबंध मे सेंटर फार रीडरशिप डेवलपमेंट दिस स मेला क संयोजक अमित झा 13 फरवरी कए विधिवत घोषणा करताह । ज्ञात हुए जे मैदान क अनुपलब्धता क कारण एहि साल आयोजन मे थोडे देरी भेल अछि। सब साल जेकां एहि साल सेहो मेला क दौरान संगोष्ठी, वाद-विवाद प्रतियोगिता, क्विज आ पुस्तक लोकार्पण आदि कईटा आयोजन कैल जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर