• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

पटना मेट्रो लेल बनत फिजिबिलिटी रिपोर्ट

September 16, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । पटना मे मेट्रो रेल क निर्माण लेल कैल जा रहल प्रयास आखिरकार किछु आगू बढल। योजना आयोग आ राज्‍य सरकारक बीच भेल बैसार क बाद इ तय भेल अछि जे पटना मे मेट्रो भ सकैत अछि। योजना आयोग क सलाहकार गजेंद्र हल्दिया आओर रवि मित्तल पटना कए मेट्रो रेल लायक शहर मानबा लेल तैयार भ गेलाह। राज्य सरकार क अधिकारीक संग भेल बैसार मे इ तय भेल अछि जे पटना मे मेट्रो रेल परियोजना लेल फिजिबिलिटी रिपोर्ट तैयार हेबाक चाही, जेकरा लेल एहि मास मे कहियो निविदा आमंत्रित कैल जाए। योजना आ विकास विभाग क प्रधान सचिव विजय प्रकाश क अनुसार पटना मे मेट्रो रेल परियोजना पीपीपी मोड मे बनत आ एकरा लेल फिजिबिलिटी रिपोर्ट छह मास मे तैयार करि लेल जाएत। ओकर बाद आगूक काज लेल निविदा आमंत्रित कैल जाएत। ओना बिहार सरकार एहि परियोजना लेल किछु काज पहिनो स केने अछि। पटना मे मेट्रो रेल परियोजना क डीपीआर तैयार करबा लेल दिल्ली मेट्रो रेल 10 लाख टका प्रति किलोमीटर क दर स 2.5 करोड़ क मांग बिहार सरकार स केने छल। एकर बाद विभाग अपन स्‍तर पर किछु परिकल्‍पना सेहो तैयार केने अछि। नगर विकास विभाग क अधिकारी क कहब अछि जे विभाग पटना मे मेट्रो रेल परियोजना लेल किछु परिकल्पना तैयार केने अछि। पटना सिटी स दानापुर तक लगभग 25 किलोमीटर स बेसी लेबा मेट्रो रेल क योजना सरकार बनेने अछि। एकर अलावा दानापुर क सगुना मोड़ स अशोक राजपथ होइत सेहो एकटा मेट्रो लाइन बिछेबाक योजना तैयार अछि। एहि परिकल्‍पनाक अनुसार दीघा मे मेट्रो क जंकशन होएत आ मेट्रो रेल लाइन कए कंकड़बाग स सेहो जोडल जाएत। अधिकारीक कहब अछि जे एहि परिकल्‍पना मे किछु जमीनी समस्‍या अछि जेकरा ल कए विभाग मंथन कए रहल अछि आ नबका फिजिबिलिटी रिपोर्ट क बाट ताकि रहल अछि जे एहि समस्‍या स ओ कोना निपटैत अछि। अधिकारीक अनुसार मेट्रो लेल सबस कठिन आ व्‍यस्‍त मार्ग अशोक राजपथ होएत। एहि सडक पर इंजीनियरिंग कॉलेज मोड़ स सुल्तानगंज तक जमीनक घोर अभाव अछि। एहन मे एहि ठाम कम स कम 20 स 30 फुट ऊंचाई स मेट्रो कए आगू ल जेबाक व्‍यवस्‍था करए पडत। ओना एतबा त आब तय अछि जे देर सबेर पटना मे मेट्रो चलत आ शहरवासी कए जाम क समस्या स काफी हद तक छुटकारा भेट जाएत।

Tags: Biharpatna
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

तीन राति बंद रहत गांधी सेतु

Esamaad Epaper Website

महिला कबड्डी क विश्वकप एक मार्च स पटना मे

Esamaad Epaper Website

पटना मोनो रेल कोरिडोर लेल फाइनल प्रस्ताव तैयार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि