पटना : पटना क लोक लेल मेट्रो रेल क सपना शीघ्र साकार होएत। सोमदिन पटना मेट्रो रेल लेल डीपीआर तैयार करबाक काज शुरू भ गेल। एहि काज लेल एमओयू पर हस्ताक्षर कैल गेल। एग्रिमेंट पर हस्ताक्षर राइट्स लिमिटेड के निदेशक (परियोजना) अरविंद कुमार आ राज्य सरकार क नगर विकास विभाग क सचिव केलथि। एहि मौका पर बीयूआईडीसीओ क प्रबंध निदेशक अनुपम सुमन आ नगर विकास विभाग क निदेशक जय सिंह सेहो उपस्थित छलाह। समझौता क बाद उम्मीद कैल जा रहल अछि जे व्यवहायर्ता रिपोर्ट सितंबर तक आ फाइनल डीपीआर दिसंबर तक प्रस्तुत क देल जाएत। व्यवहायर्ता अध्ययन मे पटना सिटी आ दानापुर (लगभग 30 किलोमीटर) कए कवर कैल जाएत। राइट्स लिमिटेड क निदेशक (परियोजना) कहला अछि जे डीपीआर मे पटना मेट्रो रेल लेल विश्वस्तरीय तकनीकी क इस्तेमाल करबाक सलाह देल जाएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa