पटना : बिहार क विश्वविद्यालय मे छात्र क संख्या पांच लाख क करीब अछि। मुदा, कोचिंग संस्थान मे पढ़निहार छात्र क संख्या 10 लाख अछि। कोचिंग हब क रूप मे विकसित पटना मे जतय पटना विश्वविद्यालय मे सिर्फ 23 हजार छात्र पढ़ैत छथि ओतहि कोचिंग संस्थान मे पढ़निहार छात्रक क संख्या पांच लाख क आसपास अछि।
डेढ़ किलोमीटर मे 300 कोचिंग
बिहार क सबस पैघ उद्योग क सिर्फ पटना मे सालाना कारोबार करीब 1000 करोड़ टकाक अछि। कोचिंग कारोबार क एहि मकडज़ाल क अंदाजा एहि गप स लगाउल जा सकैत अछि जे पटना क महेंद्रु चौक स खजांची रोड क बीच 1.5 किलोमीटर क क्षेत्र मे करीब 300 स बेसी कोचिंग संस्थान मौजूद अछि। कारोबार मे मुनाफा कए देखैत कई गोटे त दोसर राज्य स सरकारी नौकरी छोडि़ कए आयल छथि। पटना विवि भूगोल विभाग क अध्यक्ष क कहन्ब अछि जे कॉलेज मे पढ़ाई क खसैत स्तर क कारण स भारी संख्या मे छात्र एहि मकडज़ाल मे फंसि जाइत छथि। राजधानी क हर चौक मे हिकर बोर्ड देखल जा सकैत अछि जाहि मे स कोनो मे संचालक आइआइटियन बनल छथि, त कोई विदेशी विश्वविद्यालय स डिग्रीधारी लेने छथि।