पटना । मिथिला चित्रकला क पहिल संग्रहालय जापान मे बनल छल आ आइ अमेरिका आ लंदन समेत कुल चारिटा देश मे संग्रहालय अछि। इ दुख बहुत दिन स रहल जे बिहार मे मिथिला चित्रकला क कोनो संग्रहालय नहि अछि, मुदा आब दुख खत्म भ रहल अछि। दुनिया क सबस पैघ मिथिला चित्रकला संग्रहालय पटना मे तैयार भ रहल अछि। एहि संग्रहालय में 1966 स 1975 तक बनल मिथिला चित्रकलाक कईटा कृति देखबा लेल राखल जाएत। इ संग्रहालय उपेंद्र महारथी शिल्प अनुसंधान केंद्र क प्रयास स तैयार भ रहल अछि। संस्थान मे राखल करीब एक सौ चित्रकला पूर्णत: बर्बाद भ चुकल अछि, मुदा बाकी बचल चित्रकला कए रासायनिक लेपन क बाद दीवार पर सजाउल जा रहल अछि। संस्थान क उप निदेशक आ उप विकास पदाधिकारी अशोक कुमार सिन्हा कहला जे इ संग्रहालय भविष्य मे मिथिला चित्रकला क केंद्र बनत आ देश दुनिया स लोक एहि चित्रकला सब कए देखबा लेल एहि ठाम अउताह। ओ कहला जे संग्रहालय मे राखल जा रहल किछु चित्रकला क बाजार मूल्य 40 लाख रुपया तक भ सकैत अछि।
संस्थान मे राखल चित्रकला क संबंध मे श्री सिन्हा कहला जे इ चित्रकला सब 1966 मे आयल अकाल क समय मे सरकारी खरीद मे एकत्र भेल अछि। एहि मे अधिकतर कृति तत्कालीन दरभंगा मे जिलाक जितवारपुर, रांटी आ आसपास क गाम क कलाकार क बनाउल गेल अछि।
कहल जा रहल अछि जे अकाल क दौरान काम के बदले अनाज योजना क योजना शुरू कैल गेल छल, मुदा किछु महिला घर स बाहर काज करबा लेल तैयार नहि छलीह, मुदा हुनकर घर मे अनाज क दाना नहि छल, एहन मे इंदिरा गांधी क कहला पर बिहार पहुंचल केंद्रीय दल क सदस्य पुपुल जयकर, भास्कर कुलकर्णी और ललित नारायण मिश्र एकटा बाट तकलथि आ ओहन महिला स नेपाली कागज पर चित्रकला बनबा ओकर खरीद केलथि आ ओकर बदला मे अनाज आ टका मुहैया करौलथि। ओ चित्रकला उपेंद्र महरथी क जिम्मा मे देल गेल जे करीब 40 साल स आलमारी मे बंद छल। आब ओहि चित्रकला सब कए नवका मिथिला चित्रकला संग्रहालय मे टांगल जा रहल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर
jatek prashansha ahank team ke kari, tatbe kam hoyat.
Patrakaritak utkrisht namuna…