पीबा लेल आ नहेबा लेल भेेटत अलग-अलग पाइन
पटना। अपन छवि स परे हटिकए बिहार विकास क नित नव इबारत लिखबा लेल उतावला अछि। प्रदेश सरकार क ताजा पहल कामयाब रहल त बिहार देश क पहिल राज्य बनत, जतय जनसामान्य मे दू तरह क जलापूर्ति भ सकत। पीबा लेल शुद्ध पाइन आ नहेबा लेल दोयम दर्जा क पाइन देल जाइत। एहि तरह क जलापूर्ति क व्यवस्था विदेश मे पहिने स लागू अछि। बिहार क जनस्वास्थ्य मंत्री अश्विनी कुमार चौबे प्रदेश क लेल नव जल नीति क मसौदा बनेलथि अछि। एहि स संबंधित प्रस्ताव आगामी 22 मार्च कए विधानसभा मे राखल जाएत। प्रस्ताव क अनुसार प्रदेश मे दू तरह क पाइन क आपूर्ति होएत। इ व्यवस्था पहिने पटना सहित किछु आओर शहर मे लागू होएत, एकर बाद पूरा राज्य लागू कैल जाइत। सूत्र क अनुसार बिहार क गया, औरंगाबाद, जहानाबाद, मुंगेर, रोहतास, कैमूर, नवादा आ भागलपुर क तमाम इलाकाक भूमिगत जलस्तर नीचा जा रहल अछि। कई जिला मे त जलस्तर 30 स 50 फीट तक नीचा चल गेल अछि।